साहित्यिक गोष्ठी 'संपर्क' मे पढ़ल गेल टटका रचना




कलकत्ता: मासिक साहित्यिक गोष्ठी 'संपर्क' केर एहि मासक बैसार अरुण प्रिंटिंग प्रेस कार्यालय मे आइ रविदिन 14 सितम्बर 2014क साँझ आयोजित भेल. बैसार मे महानगरक साहित्यकार लोकनि जुटलाह आ अपन टटका रचना पढ़लनि. प्रसिद्ध नाट्यनिर्देशक गंगा झा बैसारक अध्यक्षता केलनि. नवीन चौधरी, चंदन कुमार झा, रूपेश त्योंथ, आमोद कुमार झा अपन टटका रचना पढ़लनि आ उपस्थित लोकनि रचनाक त्वरित समीक्षा केलनि। बैसार मे रामलोचन ठाकुर, डॉ योगेन्द्र पाठक 'वियोगी', मिथिलेश कुमार झा, देवीशंकर मिश्र, लखनपति झा ओ नबोनारायण मिश्र सेहो उपस्थित छलाह.
(Report:मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post