राज्यपाल सं मिविप कएलक भेंट


कलकत्ता:  मिथिला विकास परिषदक सात सदस्यीय प्रतिनिधिमंडल पूर्व निर्धारित कार्यक्रमक अनुसारे अध्यक्ष अशोक झा, राघवेन्द्र झा, श्रीमती शैल झा, श्रीमती रूपा चौधरी ,पंडित नन्द कुमार झा, गौरीशंकर मिश्रा आ रघुनाथ चौधरी राजभवन मे पश्चिम बंगालक राज्यपाल केसरी नाथ त्रिपाठी सं भेँट क' ज्ञापन देलक। पश्चिम बंगाल में रहनिहार लाखो मिथिलावासीक विभिन्न समस्या पर राज्यपालक धियान आकृष्ट कएल गेल. जाहि मे कलकत्ता विश्वविद्यालय मे फेर सं मैथिली कें पाठ्यक्रम मे शामिल करब, मैथिली अकादमी केर स्थापना, पूर्वोत्तर भारतक सांस्कृतिक केंद्र द्वारा मैथिली मे कार्यक्रम करयबाक प्रावधान, संगहि राजमार्ग पर डॉ राजेन्द्र प्रसाद केर मूर्ति स्थापना शामिल छल. एकर संगहि परिषद द्वारा प्रस्तावित वेद ओ संस्कृत केंद्र लेल जमीन उपलब्ध करयबाक मांग सेहो कएल गेल. 

राज्यपाल महोदय कें मिथिलाक पाग पहिरा तथा मिथिला पेंटिंग्स सं सजायल अंग बस्त्र मिथिला विकास परिषद द्वारा प्रकाशित सभ  पुस्तक कविपति विद्यापतिक मॉडल प्रदान क' माला पहिरा सम्मान देखाओल गेल. (Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post