MCCI केर बीसम वार्षिक आम बैसार

- भेल कार्यकारिणीक गठन, साल भरिक कार्यक्रमक रूपरेखा तैयार
कलकत्ता: मिथिला चेम्बर ऑफ़ कॉमर्स एंड इंडस्ट्रीज केर वार्षिक आम बैसार क्लाइव रो स्थित कार्यालय मे शनिदिन 23 अगस्त सांझ 4 बजे आयोजित भेल. सर्वसम्मति सं प्रदीप कुमार झा कें फेर सं अध्यक्ष चुनल गेल. संगहि गंगा प्रसाद झा कें सचिव नियुक्त कएल गेल. बैसार मे देवेन्द्र हजारीकें संयुक्त सचिव तथा राजीव रंजन मिश्र, मोहन चौधरी ओ रतिकांत झा कें उपाध्यक्ष बनाओल गेल. उग्रनारायण झा कोषाध्यक्ष बनाओल गेलाह. सलाहकार समिति मे कामदेव झा, भोगेन्द्र झा, महेंद्र हजारी, प्रो शंकर झा ओ रमणजी झा केर नाओ पर सम्मति बनल. बोर्ड सदस्यक रूप मे आमोद कुमार झा, जीवेन्द्र मिश्र, बीएन ठाकुर, रूपेश कुमार झा, चन्दन कुमार झा, प्रकाश झा नामित भेलाह. बैसारक अंतिम सत्र मे उपस्थित लोकनि ओ चयनित सदस्य लोकनि अपन बात रखलनि ओ चिंता जतौलनि. नव चयनित अध्यक्ष प्रदीप कुमार झा एहि बरख चेम्बरक क्रियाकलाप कें बढ़यबाक आश्वासन देलनि. 
(Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post