मिथिला नवचेतना समितिक स्थापना दिवस

> भेल स्मारिका विमोचन, जुटलाह कवि लोकनि 
कलकत्ता: महानगरक उपनगरीय क्षेत्र रिषड़ा मे 15 अगस्त कें मिथिला नवचेतना समिति अपन छठम स्थापना दिवस मनओलक. एहि अवसर पर समिति दिस सं स्मारिकाक विमोचन सेहो भेल. संगहि कवि सम्मेलन केर आयोजन सेहो कएल जेल जाहि मे महानगरक कवि लोकनि भाग लेलनि.
गोसाओनिक गीत सं शुरू भेल कार्यक्रम केर उद्घाटन प्रसिद्ध समाजसेवी जुगल किशोर झा केलनि. पहिल सत्र मे गीत संगीतक संगहि विभिन्न विषयक विद्वान लोकनि अपन विचार रखलनि. प्रधान वक्ताक रूप मे वरिष्ठ साहित्यकार प्रफुल्ल कोलख्यान अपन वक्तव्य रखलनि त' समितिक अध्यक्ष शिवचन्द्र झा ओ अधिवक्ता ब्रजेश झा सेहो अपन बात रखलनि. एही सत्र मे साहित्यिक सामग्री सं परिपूर्ण स्मारिका केर विमोचन प्रफुल्ल कोलख्यान केलनि. संचालन रंजीत कुमार झा केलनि. दोसर सत्र मे काव्य गोष्ठीक आयोजित भेल जाहि मे बिनय भूषण, नबोनारायण मिश्र, राजीव रंजन मिश्र, उमाकांत झा बक्शी, भास्कर झा, चन्दन कुमार झा, मिथिलेश कुमार झा, विजय इस्सर, कामेश्वर झा कमल, अनमोल झा, अजय तिरहुतिया, आमोद कुमार झा, रंजीत कुमार झा ओ रूपेश त्योंथ अपन कविता पढलनि. सत्र केर संचालन प्रसिद्ध नाट्य निर्देशक गंगा झा केलनि. समस्त कार्यक्रम मे अरुण सिंह सहित समितिक सदस्य लोकनि बेस तत्पर देखल गेलाह.
(Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post