मिथिमीडिया तेसर वर्ष मे कएलक प्रवेश

मिथिमीडिया तेसर वर्ष मे प्रवेश कएलक अछि. पनरह अगस्त 2012 कें एकर औपचारिक शुरुआत भेल छल. बीतल दू बरख मे रचनाकार लोकनिक सहयोग ओ पाठक लोकनिक प्रोत्साहन एकरा एखन धरि जियओने छै. ई एक मोहीम बनए आ मैथिली साइबर मीडिया केर नीक विकल्पक रूप मे डटल रहए, ताहि हेतु आशीषक आकांक्षी छी. स्वतंत्रता दिवसक शुभेच्छा. संगहि मिथिमीडिया केर लॉंचिंगक फोटो शेयर क' रहल छी जे 15 अगस्त 2012 केर अछि.
मिथिमीडिया स्थापनाक बाद बेस तेजी सं लोकप्रिय भेल. शुरू होमय केर संगहि मैथिली प्रेमी लोकनिक धियान अपना दिस आकृष्ट करबा मे सफल रहल. मिथिमीडिया स्थापनाक तेसर बरख मे अछि. एहि मध्य जे जतेक एकर चर्च-बर्च अन्यान्य माध्यम सं भेल तकर उल्लेख एतय भेटत. पाठकक प्रेम हमरा सभक उत्साह बढबैत अछि आ बढबैत रहत से विश्वास.

> मिथिमीडिया केर पहिल प्रोमोशनल कार्यक्रम

> मीडियाक नजरि पर मिथिमीडिया 

> DIFF 2013 केर मीडिया सपोर्टर

> फिल्म 'छुटत नहि प्रेमक रंग' केर मीडिया पार्टनर 

> रेडियो कार्यक्रम 'हेल्लो मिथिला' मे चर्चित

> 'मिथिला दर्शन' पत्रिका मे नचिकेता द्वारा उल्लेख 

> साहित्य अकादेमी कार्यक्रम मे भेल चर्चित

> मैथिली पत्र-पत्रिका मे समाद श्रोत रूप मे उल्लिखित 


Previous Post Next Post