मैथिल आंदोलनी डा. बैद्यनाथ चौधरी 'बैजू' जेल मे


दड़िभंगा: विद्यापति सेवा संस्थानक महासचिव एवं मैथिल आंदोलनी डा. बैद्यनाथ चौधरी 'बैजू' आइ दरभंगा न्यायालयक न्यायिक दण्डाधिकारी राकेश कुमार रायक अदालत मे आत्मसमर्पण कयलनि. बाद मे हुनका जेल पठा देल गेल. मिथिला विश्वविद्यालयक रसायन विभाग मे 1980 मे कयल गेल आन्दोलनक मामिला मे आत्मसमर्पण कयलनि अछि मुदा हिनका उपर लगभग दू दर्जन केस छनि. आब सब केस खुजतनि तैं बाहर आबय मे किछु समय लागि सकैत छनि. आत्मसमर्पणक समय लगभग सात आठ सय शुभेच्छु  हिनका संग छलखिन.
(Report : मणिकांत झा/ Photo: फाइल) 
Previous Post Next Post