मिथिला बम काण्डक मुख्य अभियुक्त गिरफ्त मे

जनकपुरधाम: जनकपुरक चर्चित रामानन्द चौक बम काण्डक फरार रहल मुख्य योजनाकार सद्भावना पार्टीक बरिष्ठ उपाध्यक्ष एवं धनुषा क्षेत्र नं. ४ क निर्वाचित सभासद संजय कुमार साह पुलिस गिरफ़्त मे अछि. साहके शनिक रातिमे बीरगंजक छपकैयासँ ग़िरफ़्तार कएल गेल. नेपाल पुलिसक केन्द्रिय अनुसन्धान ब्यूरोद्वारा जनकपुरमे रविदिन आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे जानकारी कराओल गेल अछि. पत्रकार सम्मेलनमे बजैत ब्युरोक एसएसपी उत्तम कुमार कार्की वीरगंजसँ पकड़ि कऽ जनकपुर लाओल गेल जानकारी देलनि अछि. ओ एहि घटनाक सम्बन्धमे मुद्दा अदालतमे सुनुवाइक क्रममे रहलासँ सभासद साहके जिल्ला अदालतमे हाजिर सेहो करौने बतौलनि अछि.
२०६९ बैशाख १८ गते मिथिला राज्य संघर्ष समिति रामानन्द चौकमे मिथिला राज्यक माँग करैत शान्तिपूर्ण धऱनामे बैसल समय करौने बम विस्फोटमे ५ गोटेक मृत्यु भेल अछि तऽ ३६ गोटे घाइल भेल छल. बम काण्डक मुख्य योजनाकार जेलमे रहल तराई विद्यार्थी लिव्रेशन फ्रन्टक अध्यक्ष मुकेश चौधरी धनुषा जिल्ला अदालतमे सभासद साहक निर्देशनमे अपने विस्फोट करौने बयान देने छल. चौधरी पक्राउ पडल समयसँ सभासद साह फरार रहल छल.  पत्रकार सम्मेलनमे जनकपुर अंचल प्रहरी कार्यालयक वरिष्ठ प्रहरी उपरीक्षक शिव लामिछाने, धनुषाक प्रहरी उपरीक्षक उत्तम राज सुवेदी सहितक सहभागिता रहल छल. केन्द्रिय अनुसन्धान ब्यूरो ब्यूरो आ जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषाक संयुक्त टोली सभासद साहके विगत एक महिनासँ खोज तलाश कऽ रहल छल. साह भारतमे नुकाएल बताओल गेल छल. 
एहिसँ पहिने ओहि घटनाक आरोपमे बम विस्फोट भेल १८ दिनमे सप्तरी बिसहरीयाक शिवम शर्मा कहएबला जयप्रकाश चौधरी, धनुषा सपही १ क प्रकाश कहएबला सुरेश कुमार कर्ण, महोत्तरी मडैक रिपेन्द्र झा आ धनुषा भुतही पटेर्वाक मुकेश कुमार कर्णके पक्राउ कएल गेल छल तऽ तराई विद्यार्थी लिव्रेशन फ्रन्टक अध्यक्ष मुकेश चौधरी आ सभासद संजय साहक पूर्व सहयोगी ओम यादवके एक महिना पहिने पक्राउ कएल गेल छल. एहि घटनामे जनतान्त्रिक तराई मुक्तिमोर्चा राजन मुक्ति समुहक प्रमुख रन्जित झाके सेहो एहि सँ पहिने पक्राउ कएल गेल छल. पुलिस रामानन्द चौक बम काण्डमे तीन गोटे अन्य व्यक्तिके सेहो खोजी कऽ रहल अछि. फरार रहल अन्य व्यक्ति सभमे तराई कोब्राक उमेश यादव, जनतान्त्रिक तराई मुक्ति मोर्चाक राजन प्रताप कहएबला प्रफुल्ल यादव आ जितेन्द्र लाल कर्ण रहल अछि. 
सभासद साह पक्राउके पुलिसक बडका सफलताक रुपमे देखल गेल अछि. मिथिला राज्य संघर्ष समितिक संयोजक परमेश्वर कापडि दोषी उपर कडासँ – कडा कारवाईक मांग सेहो कएलनि अछि. ओ संघर्ष समिति सभासद पक्राउ पडल घटनासँ नेपालमे प्रहरी प्रशासन सक्रिय उपस्थितिके पुष्टि कएलक अछि. मिथिला भरि सं एहि अभियुक्त कए कड़गर सज़ाए केर मांग भ' रहल अछि.
(Report: सुजीत कुमार झा/Photo: FB )
Previous Post Next Post