बम काण्डक बरखी पर श्रद्धांजलि सभा सम्पन्न

मिथिला राज्य लेल विशेष अभियान पर जोर 
जनकपुरधाम: मिथिला राज्यक लेल विशेष अभियान चलएबाक आवश्यकता पर जनकपुरमे वृहस्पतिदिन आयोजित कार्यक्रममे जोर देल गेल. कार्यक्रममे सहभागी वक्तासभ नव संविधानक लेल मिथिलाक माँग सभसँ बेसी आधिकारिक रहलासँ एहि माँगक लेल सभ दलसभकें सहमतिमे आनएकें  प्रयास करबाक सलाह देल गेल.
जनकपुरक रामानन्द चौकपर भेल बम विस्फोट घटनाक दोसर वार्षिकी समारोहमे जनकपुरमे आयोजित कार्यक्रममे बजैत वक्तासभ मिथिलाक मुद्दाकें किछु तत्वसभ द्वारा कमजोर करबाक षडयन्त्रक बात कहलनि. मुदा ओ षडयन्त्रसँ खासे असर नहि पडत हुनकसभक दाबी रहल अछि. मिथिला राज्य संघर्ष समितिद्वारा आयोजित समारोहमे मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार डा.सुरेन्द्र लाभ किछु पावएकें लेल संघर्ष करए पड़त बतबैत बिना संघर्ष कोनो उपलब्धि प्राप्त नहि भेल संसारक इतिहास रहल उल्लेख कएलनि. नेपाली काँग्रेस धनुषाक सभापति रामसरोज यादव संघीयतामे मिथिला मुद्दा सभसँ बेसी मजगूत रहल चर्चा कएलनि. ओ जनकपुर बम काण्डक प्रमुख अभियुक्त संजय साहकें पकड़बाक लेल पुलिसकें विशेष अभियान चलएबाक खगता पर जोर देलनि. अपराधी व्यक्तिकें एकदिन दण्ड भोगए पड़ैत अछि तकर उदाहरण संजय रहल हुनक कथन छल. 
मिथिला राज्य संघर्ष समितिक संयोजक परमेश्वर कापडिक सभापतित्वमे भेल समारोहमे नेकपा–माओवादीक भोजपुरा इन्चार्ज रोशन जनकपुरी, मैथिली विकास कोषक अध्यक्ष जीवनाथ चौधरी, मिथिला नाट्यकला परिषदक अध्यक्ष मदन ठाकुर, नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषाक निवर्तमान अध्यक्ष रामअशीष यादव, मानवअधिकारकर्मी विजय दत्त, नाटककार अवधेश पोखरेल, युवा नेता सरोज मिश्र, भवेश मिश्र, विद्यार्थी नेता ज्ञानेन्द्र झा ज्ञानु, रामानन्द युवा क्लबक अध्यक्ष नवीन कुमार मिश्र, मिथिला नाट्यकला परिषद्क पूर्व अध्यक्ष सुनिल मल्लिक सहितक वक्तासभ बाजल छलथि. कार्यक्रममे विजय दत्त मणी, काशीकान्त झा आ प्रेम विदेह ललन कविता वाचन कएने छलथि. 
नेपाल प्रहरीक निंदनीय किरदानी : ओम्हर नेपालक राजधानी काठमांडू मे मिथिलाकलेल शहीदक सम्मानमे 'मिथिलाक अनुपम डेग' संस्था द्वारा राखल गेल श्रद्धांजलि सभामे पुलिस द्वारा बर्बरतापूर्वक जड़ाओल जेल मोमबत्ती सभ कें नष्ट क' देल गेल. ज्ञात हो जे नेपाल प्रहरीद्वारा एहन व्यवहार संविधान सभा केर आगू मे आयोजित सभा मे कएल गेल.  प्रहरी सभ अपशब्द बाजल ओ शहीद सभक फोटो हटा देलक. एकर चहुंदिक निंदा  भ' रहल अछि. मैथिल सभ राजधानी मे एहन दुर्व्यवहार कें ल' मैथिली दिवस कें कैंडल मार्च आयोजित करबाक निश्चय केलनि अछि. २०६९ बैशाख १८ गते (30 अप्रैल 2012) कें भेल बम विस्फोटमे मिथिलाक चर्चित कलाकार रंजू झा सहित सुरेश उपाध्याय, विमल शरण दास, झगरु मण्डल आ दीपेन्द्र दास शहीद भेल छलथि. शहीदसभक फोटोमे ओ समारोहमे माल्यार्पण कएल गेल छल. (Report: सुजीत कुमार झा/Photo: FB )
Previous Post Next Post