जनकपुर बम काण्डक दू बर्ष पूरा

मैथिली दिवस : 30 अप्रैल 2012 कें भेल छल बम काण्ड
जनकपुरधाम: मिथिला राज्यक माँग करैत जनकपुरक रामानन्द चौकपर शान्तिपूर्ण धरना दऽ रहल समयमे भेल बम विस्फोट घटनाक वृहस्पतिदिन दू वर्ष पूरा भेलाक बाद पीडितसभ एहि वर्ष सेहो मुख्य योजनाकार पकड़ायत की कहि कऽ प्रश्न करए लागल अछि. प्रतीक्षाक घडी लम्बा भऽ रहलासँ कहिया पकड़ायत कि नहि पकड़ायत मनमे अपने द्विविधा भऽ रहल मिथिला राज्य संघर्ष समितिक संयोजक परमेश्वर कापडि बतबैत छथि. ओ प्रत्येक दिन भोरक रेडियोक समाचार सुनए बेरमे पकड़ायबाक समाचारक प्रतीक्षा करैत रहैछी उल्लेख कएलनि. २०६९ बैशाख १८ गते जनकपुरक रामानन्द चौकमे भेल बम विस्फोटक मुख्य योजनाकार सभासद एवं सद्भावना पार्टीक केंद्रीय वरिष्ठ उपाध्यक्ष संजय कुमार साह रहल अछि. एहि घटनामे सहयोगीसभ पकड़ायल मुदा साह फरार अछि.
सभासद जेहन व्यक्ति काठमाण्डू जेहन शहरसँ भगनाइ पुलिसक असफलता रहल कहएबलासभ बहुत अछि. मुदा धनुषा पुलिस साह पतालोमे नुकाइत तऽ कानुनक कठघेरामे आनब कहि रहल अछि. धनुषाक प्रहरी उपरीक्षक उत्तमराज सुवेदी संजय साहकें पकड़ाउ करए पुलिस जाल बिछा चुकल आ मात्रे पकड़ाउक आवश्यकता रहल उल्लेख कएलनि. धनुषा पुलिसक पहलमे किछुदिन पूर्व मात्रे तराई विद्यार्थी लिब्रेसन फ्रन्टक कमाण्डर मुकेश चौधरीकें भारतसँ पकड़ाउ कऽ नेपाल अनने अछि. मुकेश चौधरी, जनतान्त्रिक तराइ मुक्ति मोर्चा राजन मुक्ति समूहक प्रमुख रञ्जित झा आ संजय साहक सहयोगी ओम यादवकें पकड़ाउ कएनाइ रामानन्द चौक बम काण्डक अनुसन्धानक लेल बडका उपलब्धि रहल धनुषाक प्रहरी उपरीक्षक सुवेदी दाबी करैत छथि. बम विस्फोट भेल १८ दिनमे सप्तरी बिसहरीयाक शिवम शर्मा कहल जाएबला जयप्रकाश चौधरी, धनुषा सपही १क  प्रकाश कहल जाएबला सुरेश कुमार कर्ण, महोत्तरी मडैक रिपेन्द्र झा आ धनुषा भुतही पटेर्वाक मुकेश कुमार कर्णकें पकड़ाउ कएलाक बाद मिथिला बम काण्डक अनुसन्धानमे किछु महिना इम्हर तीव्रता पौने अछि.
बम विस्फोटमे अपन चारिटा आँगुर गमौने नेपाली काँग्रेस जनकपुर नगरसमितिक सभापति धीरेन्द्रमोहन झा पुलिसक पछिला कारवाही प्रक्रियासँ विश्वास रहितो एहि वर्ष सभ अपराधीकें पकड़ाउ करए पड़त अपनसभक माँग रहल बतौलनि. बम विस्फाटमे मिथिलाक चर्चित कलाकार रंजू झा सहित सुरेश उपाध्याय, विमल शरण दास, झगरु मण्डल आ दीपेन्द्र दास शहीद भेल छलथि तऽ ओहि बमसँ दर्जानौँ व्यक्ति अपङ्ग जीवन बितबए लेल बाध्य रहल अछि. एहिबीच मिथिला राज्य संघर्ष समिति बम काण्डक दोसर वार्षिकीक रूपमे रामानन्द चौक पर श्रद्धांजलि अर्पण कार्यक्रम रखने अछि. (Report: सुजीत कुमार झा/Photo: FB )
Previous Post Next Post