गुणनाथ झा कें साहित्य अकादमी अनुवाद पुरस्कार

नाट्यकार गुणनाथ झा संग रूपेश त्योंथ (फ़ाइल चित्र)
नव दिल्ली: साहित्य अकादमी अनुवाद पुरस्कार मैथिलीमे एहिबेर प्रसिद्ध नाट्यकार गुणनाथ झा कें देल जायत. हुनका ई पुरस्कार साहित्य अकादमीसँ प्रकाशित अजित कुमार घोष द्वारा संकलित "बांग्ला एकांकी संग्रह" केर मैथिली अनुवाद लेल देल गेलनि अछि. सोमदिन 10 मार्च कें अकादेमीक अध्यक्ष विश्वनाथ प्रसाद तिवारी केर अध्यक्षता मे भेल बैसक मे ई घोषणा कयल गेल. ई पुरस्कार वर्ष 2013 हेतु तीन सदस्यीय कमेटी द्वारा चयनित पोथी पर देल गेल अछि. अकादेमी दिस सं पचास हजार टाका ओ ताम्रफलक एहि बरखक कोनो तिथि कें पुरस्कार स्वरूप देल जायत. डॉ ब्रजकिशोर मिश्र, डॉ अमरनाथ झा ओ डॉ महेंद्र नारायण राम केर चयन समितिक निर्णय केर आधार पर गुणनाथ झा कें ई पुरस्कार देल जयबाक घोषणा भेल अछि. ज्ञात हो जे गुणनाथ झा मैथिलीक वरिष्ठ नाट्यकार छथि. (Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post