मैथिली मधुर भाखा, मिथिला सं संबंध पुरान: मोदी

मुजफ्फरपुर/दड़िभंगा: भाजपाक प्रधानमंत्री पद केर उम्मीदवार एवं गुजरातक मुख्यमंत्री नरेन्द्र मोदी सोमदिन ३ मार्च कें मुजफ्फरपुर मे रैली कें सम्बोधित कयलनि. मुजफ्फरपुर-दरभंगा फोर लेन लग पटियासा मैदान मे हुंकार रैली कें संबोधित करैत ओ कहलनि जे हम समस्या सभक समाधान ताकि रहल छी. आ विरोधी सभ मोदी केर काट ताकि रहल अछि.  निर्णय देशक जनता कें करबाक छै. खुदीराम बोस केर शहादत भूमिक सौगंध खा ओ कहलनि जे  भारत माता केर शीष झुकय नहि देब. मोदी कहलनि जे मिथिलाक लोक बेस मधुर बजैत छथि आ अटल बिहारी वाजपेयी मैथिली भाषा कें उचित सम्मान देलनि. ओ कहलनि जे मखान कमल बिनु कोना होयत. मखानक खेती दिस सरकारी उदासीनता पर सेहो चिंता व्यक्त कयलनि. एहि सं पहिने पटना रैली मे सेहो मोदी मैथिली-मिथिला विषय मे बाजि मैथिलजन कें अपना पक्ष मे करबाक कोशिश कयने छलाह. मुदा मिथिला मे आयोजित एहि रैली केर शुरुआत भोजपुरी मे क' ओ मैथिलजन कें कने मोन मलीन अवश्य क' देलनि अछि. ओना मोदी पर भाषण केर क्रम मे बहुत उन्टा-पुन्टा बजबाक आरोप पहिने सं लगैत रहल अछि. एहि रैली मे संजय सरावगी, विनोद नारायण झा आदि मिथिला-मैथिली नेही विधायक कें सेहो मंच पर स्थान देल गेल छल. देखबाक चाही जे मोदी आ हुनक पार्टी आगामी चुनाव मे कि कमाल करैत अछि.
(Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post