मिथिला नव-चेतना समिति केर वार्षिकोत्सव संपन्न

कलकत्ता: मिथिला नव-चेतना समितिक पाँचम वार्षिकोत्सव रविदिन 9 मार्च 2014 कें रिषड़ा रवीन्द्र भवन प्रेक्षागृह मे मनाओल गेल. कार्यक्रम आरम्भ गोसाओनिक गीत सं भेल. प्रो. शंकर झा विद्यापतिक प्रतिमा पर दीप प्रज्ज्वलित क' कार्यक्रम केर उद्घाटन कयलनि. एहि कार्यक्रम मे माध्यमिक - उच्च माध्यमिक उत्तीर्ण छात्र-छात्रा सभ कें सम्बर्द्धना देल गेल. शिक्षाविद भोगेन्द्र झा आ उद्योगपति जीबेन्द्र मिश्र कें सम्मानित कयल गेल. डॉ राम अह्लाद चौधरी सहित मंचासीन विशिष्ट लोकनि मिथिला-मैथिलीक प्रति अपन उदगार व्यक्त कयलनि. मैथिलीक प्रसिद्ध गायिका अंजू कात्यायन ओ मिथिलेश द्वारा गाओल गीत सभ उपस्थित लोकनि कें मंत्र-मुग्ध कयलक.  कार्यक्रम मे फगुआ गीत बेस पसंद कयल गेल. शिव पुस्तक भंडार, पटना द्वारा एक पोथी प्रदर्शनी सेहो लगाओल गेल छल. जतय विविध विषयक मैथिली पोथी-पत्रिका ओ गीत-संगीतक कैसेट उपलब्ध छल. मिथिला लोक गीत आ राधा-कृष्णक प्रेम प्रसंग पर आधारित भाव-नृत्य बेस सराहल गेल. रंजीत कुमार झा कार्यक्रमक संचालन कयलनि.  (Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post