मैथिली फ़िल्म मे बेस सम्भावना अछि : मीना गौतम

मैथिली फ़िल्म 'घोघ मे चाँद' केर अभिनेत्री मीना गौतम सं मिथिमीडिया किछु बिंदु पर बात कएलक. गौतम किछु गहींर गप्प कहलनि अछि जे अनुकरणीय अछि. मैथिली सिनेमाक उत्कर्ष हेतु प्रयासरत सिने एक्टिविस्ट लोकनि कें एखन बहुत दूर धरि चलबाक छनि.
- - - - - 

सभ सं पहिने 'घोघ मे चाँद' फ़िल्मक बधाइ. फ़िल्म मे अहांक अभिनय कें सराहल जा रहल अछि. केहन लगैए ई सभ?
हं, हम बहुत बेसी खुश छी, जे लोक हमरा बड़का परदा पर पसंद क' रहल छथि. हुनका सब कें हमर अभिनय पसंद आबि रहल छनि. दर्शकक प्रोत्साहन एक कलाकार लेल बहुत महत्वपूर्ण होइत छै. से प्रोत्साहन हमरा मैथिली दर्शक सं भेटि रहल अछि. सत्ते एक कलाकारक रूप मे ई हमरा बेस उत्साहित करैत अछि.

'हिल गर्ल' आइ मैथिली फ़िल्मक हिरोइन भ' गेलीह अछि. कोना अएलहुँ मैथिली सिनेमा दिस?
हम एबीपी न्यूज केर कार्यक्रम सनसनी मे एक कलाकार रूप मे काज क' रहल छलहुं. शूटिंग केर समय उदय सर (निर्देशक उदय राज) सं भेंट भेल. ओ हमरा मैथिली फ़िल्म लेल कहलनि आ स्क्रिप्ट बहुत नीक लागल आ हम फिल्मक हिस्सा बनि गेलहुं.

मैथिली फ़िल्म उद्योग कें अहाँ कोना देखैत छी? की सभ सम्भावना देखबा मे अबैत अछि?
कोनो फ़िल्म कें बेसी सं बेसी दर्शक चाही. तखने फिल्म सार्थक होइत छै. आ एहि हेतु प्रमोशन पर बेस धियान देबाक चाही. मैथिली फ़िल्म मे सम्भावनाक कमी नहि छै मुदा फिल्ममेकर बहुत बेसी फ़िल्मी मसाला द' मैथिली फ़िल्म कें भोजपुरी पैटर्न पर बना देइत छथि. एहि मिथिलाक मधुर आ स्वच्छ संस्कृति जेना कतहु बिला जाइत छै. दर्शक कें बेसी सं बेसी सिनेमा हॉल धरि अनबाक हेतु मैथिली मूवी कें मौलिक आ स्वच्छ रूप मे बनयबाक चाही.

अहाँ नेपाली भाषी छी. मैथिली फिल्म मे काज करैत संवाद बाजय मे कोनो दिक्कत त' नहि भेल?
मैथिली आ नेपाली भाषा मे बहुत बेसी निकटता छै. मैथिली बाजय मे हमरा कोनो दिक्कत नहि भेल.

भविष्य कें ल' कोनो योजना अछि?
भविष्य कें ल' कोनो योजना नहि अछि. देखबाक चाही की होइत छै! हमरा नीक फ़िल्म जओं भेटैत अछि त' से करब आ एकरा जारी राखब.
panditji-agarbatti-samrat-perfumery
ADVERTISEMENT


की मैथिली फिल्म कें मीना गौतमक रूप मे एक परमानेंट फीमेल फेस भेटि गेल अछि? एतय फ़िल्म कम बनैत अछि आ चेहरा बदलैत रहैत अछि?
हम आशा करैत छी जे हम मैथिली फ़िल्मक परमानेंट फीमेल फेस बनी. मुदा ई कहब कतेक कठिन अछि से अहाँ सभ जनैत छी. हमरा दुःख भ' रहल अछि जे एतय बहुत कम फ़िल्म बनैत अछि आ एहि पर निर्भर रहब सम्भव नहि अछि.

मिथिलाक धरती आ लोकक विषय मे अहाँक राय की अछि?
बहुत बहुत धन्यवाद मिथिलाक लोक कें. प्रेम आ प्रोत्साहन लेल समस्त मिथिलावासी कें बेस धन्यवाद देबय चाहै छी.

(मिथिमीडिया एंड्रॉएड ऐप हेतु एतय क्लिक करी. फेसबुकट्विटर आ यूट्यूब पर सेहो फ़ॉलो क' सकै छी.)

मैथिली फ़िल्म 'घोघ मे चाँद' यूट्यूब पर देखल जा सकैछ:

Previous Post Next Post