किडनी प्रत्यर्पण हेतु मिविप देलक आर्थिक मदति

कोलकाता : मैथिली ओ मिथिला हेतु सांस्कृतिक अलख जगओनिहार संस्था मिथिला विकास परिषद्क एक असहाय एवं अनजान रोगी कें आर्थिक मदति देलक अछि. परिषदक राष्ट्रीय अध्यक्ष अशोक झा जनौलनि जे दरभंगा जिलाक मनीगाछी ब्लॉक केर नेहरा गामक छात्रा कुमारी पूजा ठाकुर (19) अपन पिताक जिंदगी बचएबाक हेतु अपन एक किडनी द' उदाहरण प्रस्तुत कयलक अछि. परिषद्क कतेको सदस्य मुकुंदपुर स्थित रवीन्द्र नाथ टैगोर इन्टरनेशनल इन्स्टीट्यूट ऑफ़ कार्डियो सांइस मे पीड़ित परिवार सं सम्पर्क क' किडनी प्रत्यर्पणक दौरान अस्पताल मे उपस्थित छलाह. परिवार कें  परिषद्सं दिस सं २५ हजार टाका केर आर्थिक मदति देल गेल. एहि अवसर पर परिषद्क पवन ठाकुर, अंजय चौधरी, नंद कुमार झा, अरुण झा, शेखर वर्मा, अरविन्द तिवारी आदि सदस्य उपस्थित छलाह. परिषद् आओर आर्थिक मदति हेतु परिवार कें आश्वस्त केलक आ जनसेवा हेतु अपन प्रतिबद्धता जतौलक.
(Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post