आसनसोल मे सड़क केर नाओ विद्यापति मार्ग - मिथिमीडिया - Maithili News, Mithila News, Digital Media in Maithili
आसनसोल मे सड़क केर नाओ विद्यापति मार्ग

आसनसोल मे सड़क केर नाओ विद्यापति मार्ग

Share This
कलकत्ता: आसनसोल केर कालीपहाड़ी-डामरा सड़क केर नाओ विद्यापति मार्ग कयल गेल अछि. आसनसोल नगरनिगम केर मासिक बैसक मे सर्वसम्मति सं प्रस्ताव पारित भेल अछि. मेयर तापस बनर्जी ई निर्णय लेलनि अछि. मिथिला चेतना परिषद बहुत नीक काज क' रहल अछि. परिषद शीघ्र नामकरण समारोह आयोजित करत. निगम केर बैसक मे मिथिला चेतना परिषद दिस सं सचिव शंभुनाथ झा, उपाध्यक्ष अरुण कुमार झा, डॉ दिवाकर झा, डॉ मोहन झा, सुनिल मिश्र सहित अन्य मैथिलवृंद सेहो उपस्थित छलाह. ज्ञात हो जे मिथिला चेतना परिषदक तत्वाधानमे विगत रवि (23 फरवरी) केँ विद्यापति पर्व समारोह मनाओल गेल छल. कलकत्ता मे सियालदह फ्लाइओवर केर नाओ विद्यापति सेतु अछि. कलकत्ता नगर निगम केर बाद आसनसोल नगर निगम केर एहि निर्णय सं मैथिल समाज सहित भाखाप्रेमी लोकनि मे हर्ख पसरल अछि. (Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)

Read the story on VIDYAPATI SETU

मिथिला-बांग्ला संबंधक मूक गवाह 'विद्यापति सेतु'

Post Bottom Ad