सामा-चकेवा कें बेस्ट फीचर फ़िल्म अवार्ड

दड़िभंगा: मैथिली सिनेमा कें मजगूती दिअएबा ओ वैश्विक क्षितिज पर मिथिलाक पहिचान कें उजागर करबाक उद्देश्य सं शुरू भेल दरभंगा अंतर्राष्ट्रीय फ़िल्म फेस्टिवल केर दोसर संस्करण विगत सोमदिन सांझ पुरस्कार वितरणक संग संपन्न भेल. कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय केर दरबार हॉल मे आयोजित एहि फेस्टिवल मे सिनेमा जगत केर कतेको हस्ती भाग लेलनि. 8 फरवरी कें शुरू भेल ई फेस्टिवल तीन दिन धरि चलल. एहि मे मैथिली सहित कतेको सिनेमा केर स्क्रीनिंग भेल. मैथिली फ़िल्म सामा-चकेवा कें बेस्ट फीचर फ़िल्म केर अवार्ड देल गेल. बेस्ट डॉक्यूमेंट्री अवार्ड 'अप्पन माछ मखान कें, बेस्ट शॉर्ट फ़िल्म अवार्ड 'संवदिया' कें, बेस्ट सिंगर मेल अवार्ड 'कुञ्ज बिहारी मिश्र कें, बेस्ट सिंगर फीमेल अवार्ड 'दिव्या' कें, बेस्ट डायरेक्टर अवार्ड 'विजय कुमार' कें देल गेल. एकर संगहि इंटरनेशनल ओ नेशनल कैटेगरी मे सेहो अवार्ड देल गेल. फेस्टिवल मे फ़िल्म प्रदर्शनक संगहि रंगारंग कार्यक्रम सेहो राखल गेल छल. मेराज सिद्दिकी, अमन अभिषेक, आनंद शांडिल्य ओ ललित कुमार झा दरभंगा फ़िल्म क्लब दिस सं सक्रिय छलाह. (Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post