कोकिल मञ्च करत 'अलख निरंजन' नाटकक मंचन

कलकत्ता: रंगमंच हेतु समर्पित नाट्य संस्था कोकिल मञ्च डॉ अरविन्द अक्कू द्वारा लिखित नाटक 'अलख निरंजन' केर मंचन आगामी रविदिन 16 फरवरी कें बेरुपहर 4.30 बजे सं महानगर केर महाजाति सदन मे करत. नाटक गंगा झा केर निर्देशन मे मंचित होयत. एहि कें ल' कलाकार लोकनि अभ्यास क' रहलाह अछि. निर्देशक गंगा झा मिथिमीडिया कें बतओलनि अछि जे बहुत मेहनति सं एक नीक नाटक बीछल मंचन हेतु. अक्कू केर लिखल ई नाटक युवा लोकनिक हेतु आँखि फोलयवला अछि. एहि मे युवा मनक द्वंद्व सोझाँ आयल अछि. एखन जखन देश केर पैघ जनसँख्या युवा अछि त' ई नाटक निश्चय मिथिला समाज केर युवा हेतु उपयुक्त अछि. ओ आगां कहलनि जे मैथिली मे मौलिक नाटक बीछब आ ओकर मंचन करब कोनो चुनौती सं कम नहि अछि. आशा करैत छी जे मंच पर नाटक सफल होयत. दर्शकक अपेक्षा पर उतरबा हेतु हम सभ अभ्यासरत छी. 
कोकिल मंच केर सचिव नबोनारायण मिश्र बेसी सं बेसी दर्शक कें प्रेक्षागृह मे आबि नाटकक आनंद लेबय ओ कलाकार लोकनिक हौसला बढ़यबा हेतु अयबाक आह्वान कयलनि अछि. मञ्च केर 24म वार्षिकोत्सवक अवसर पर 32म नाट्य प्रस्तुति अछि ई नाटक. नाटकक संगहि गीत-संगीत केर कार्यक्रम सेहो राखल गेल अछि.
(Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post