विद्यापति सेतु पर जुटल विशाल मैथिल जनसमूह

मैथिल कें नहि बूझै कम, थम थम थम
कलकत्ता. मध्यमग्राम कांड  केर प्रतिवाद मे समूचा देश केर जनगण न्यायक मांग हेतु सड़क पर उतरल अछि. देशहि नहि विदेशी मीडिया सेहो एहि मामिला कें उठा  रहल अछि. घटना मे भेल पुलिस लापरवाही ओ समूचा मामिला मे सरकारी संवेदनहीनता सं ई मामिला आओर बेसी विराट रूप ध' लेने अछि. एहि क्रम मे कलकतिया मैथिल समुदाय द्वारा निरंतर क्षोभ व्यक्त कयल जा रहल अछि. रविदिन सांझ विद्यापति सेतु पर विशाल मैथिल जनसमूह जुटल. 500 सं अधिक संख्या मे जुटल मैथिल लोकनि पुलिस-प्रशासन केर लापरवाही ओ व्यवहारक प्रति क्षोभ व्यक्त कयलनि. पीड़िता कें न्याय भेटैक से मांग जोर-शोर सं उठाओल गेल. एहि अवसर पर महानगर केर विशिष्ट जनप्रतिनिधि लोकनिक संगहि आम मैथिल केर सहभागिता रहल. एकर पश्चात् जुटल मैथिल सभ कॉलेज स्क्वायर धरि जुलूस निकललनि. पीड़िता परिवार कें कोना-की मदति पहुंचायल जाय ओ कोना न्याय भेटैक ताहि पर विमर्श भेल. ज्ञात हो जे राष्ट्रपति सं भेंट करबाक लेल पीड़िता परिवार आइ दिल्ली रवाना भ' रहल अछि.
भुवनेश्वर मे सेहो भेल कैंडल मार्च 
मैथिल यूवा संघक तत्वाधान मे मैथिल युवतीक संग भेल अमानवीय घटनाक बिरोध करैत रविदिन कैंडल मार्चक आयोजन भुवनेश्वर रेलवे स्टेशन सं आरम्भ भेल. एहि मे दर्जनो छात्र-छात्रा लोकनि शामिल छलाह. कैंडल मार्च अभियांत्रिक संस्थान मे अध्ययनरत विद्यार्थी लोकनि द्वारा आयोजित छल. ओ लोकनि एहि मामिला मे पीड़िता परिवार कें मदति ओ न्यायक मांग केलनि.
(Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post