मौन सभा कयलनि मैथिल बुद्धिजीवी!

न्याय चाही, नहि ओहि सं कम
कलकत्ता. मध्यमग्राम काण्ड केर प्रतिवाद मे मैथिल बुद्धिजीवी महानगरक तारासुन्दरी पार्क मे शुक्रदिन साँझ मे सभा कयलनि. एहि सभा मे सैकड़ो मैथिल उपस्थित भ' प्रतिवाद कयलनि ओ पछाति तारासुन्दरी पार्क सं गिरीश पार्क धरि कैंडल मार्च कयलनि. एहि कार्यक्रम मे सैकड़ो मैथिल उपस्थित भ' पीड़िता कें न्याय दिअएबा हेतु सरकारी उदासीनता पर क्षोभ व्यक्त कयलनि. उपस्थित मैथिलजन मुंह पर कारी पट्टी बान्हि हाथ मे मोमबत्ती लेने प्रदर्शन कयलनि. एहि अवसर पर महानगर केर मैथिल समुदायक बुद्धिजीवी लोकनि उपस्थित भेलाह.
मौन सभा लेल के' देलक हाक?
ई एकटा पैघ प्रश्न अछि. पीड़िताक मृत्युक बाद तूल पकड़ैत मामिला मे मैथिल निष्क्रियता पर जखन प्रश्नचिह्न ठाढ़ होमय लागल आ एहि मादे मिथिमीडिया सहित अन्यान्य माध्यमे भेल कड़गर प्रतिक्रिया ओ जनभावना कें देखैत लोक जगलाह. मैथिली बुद्धिजीवी लोकनिक द्वारा ऑनलाइन आह्वानक बाद ६.३० बजे बजाओल सभा अचानक पहिनहि शुरू भ' गेल आ कार्यक्रम संचालन कयनिहार कें देखि लोक अचंभित भेल. मुदा तखन प्रतिवाद प्राथमिकता रहने लोक एकजुटताक प्रदर्शन क' अपन बात रखलनि. धियान देबय योग्य बात अछि जे कार्यक्रम केर मीडिया कवरेज कयनिहार बेस छलाह मुदा एहि खबरि कें बहुत कम स्थान पर प्रकाशन-प्रसारण भेल. एहि सं पहिनहुं यात्री-नागार्जुन पर आधारित एक कार्यक्रम मे जखन किछु युवा मैथिली एक्टिविस्ट अपन घोषित कार्यक्रम हेतु पहुँचल छलाह त' कोनो संस्था विशेषक लोक पहिनहि अपन कार्यक्रम शुरू क' देने छलाह. कार्यक्रमक हाइजैक करब नीक संकेत नहि, दुनू मामिला मे युवा लोकनिक धैर्य प्रशंसनीय! विदित हो जे उल्लिखित कार्यक्रम कोनो संस्था विशेष केर नहि छल. मुदा दुनू कार्यक्रम मे दू अलग-अलग संस्था केर लोक एहना कयलनि अछि. दुनू बेर स्थान तारासुन्दरी पार्क छल.
मौन सभा मे खूब बजलाह लोक
ई केहन मौन सभा भेल से पचब कठिन. उपस्थित लोक सभ मीडियाक कैमरा देखिते मुंह पर सं पट्टी हटा खूब बजैत गेलाह. हं, विषय मैथिल एकता ओ पीड़िता कें न्याय भेटैक सैह रहलैक. बेरा-बेरी जेना बजबाक लेल लोक उताहुल देखल गेलाह. ओना कार्यक्रम कें हाइजैक क' सञ्चालन कयनिहार नीक लोक कें बुझबाक चाही छल जे सभा मौन अछि. संचालक लोकक नाम घोषित क' बेरा-बेरी बजौलनि. एहि सभा मे एक गोटे त' अपन रिटायरमेंट प्लान सेहो घोषित क' देलनि. ज्ञात हो जे ई मौन सभा मे उपस्थित लोक सभ बुद्धिजीवी छलाह.
पहिने यात्री फेर विद्यापति केर सोझा भेल इजोत
रातियो मे जगमग महानगरक दू अलग-अलग पार्क मे विद्यमान यात्री ओ विद्यापति केर प्रतिमा अन्हार मे अछि आ ततय मोमबत्ती जड़ा बुद्धिजीवी लोकनि इजोत कयलनि. जगैत मैथिल लोकनि कें देखि हिया उत्साह सं भरि देने छल. मौन सभा मे जे जतेक घोषणा भेल से सभ सकारात्मक छल. ओतय एही एक विषय पर कार्यक्रमक सीरीजक बात सोझां आयल. देखबाक चाही जे एहि समस्त क्रियाकलाप सं पीड़िता कें न्याय भेटबा मे कतेक मदति भेटैत छैक?
दिल्ली सहित देश भरि मे भेल प्रदर्शन
जंतर-मंतर सं पश्चिम बंगाल भवन धरि मिथिला राज्य निर्माण सेना द्वारा कैंडल मार्च आ प्रदर्शन कयल गेल. एहि मे मैथिल एक्टिविस्ट सभ भाग लेलनि ओ पीड़िता कें न्यायक मांग पर जोर देलनि. एकर संगहि बिहार केर राजधानी पटना सहित पीड़िता केर गृह जिला समस्तीपुर मे सेहो व्यापक विरोध देखल गेल.
शनिदिन सांझ सेहो भेल मोमबत्ती जुलूस
मध्यम ग्राम काँडक बिरोध मे शनिदिन सांझ कोलकाता मे प्रवासी मैथिल लोकनि द्वारा मोमबत्ती जुलूस निकालल गेल. मुँह पर कारी पट्टी बान्हि मौन जुलुस निकलल. मैथिल लोकनि कोलकाता केर सड़क पर उतरलाह ओ अपन क्षोभ व्यक्त कयलनि. मैथिलक गोलबंदी एक सकारात्मक संकेत अछि. पीड़िता कें न्याय भेटैक से जओं लक्ष्य त' की सभा ओ कोन सस्था! लक्ष्य दिस बढू आ बढ़ैत रहू.
(Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post