जानकी सेवा संघ करत तीन दिवसीय आयोजन

कलकत्ता. मैथिली दिवसक अवसर पर जानकी सेवा संघ, कोन्नगर विद्यापति लेन, शास्त्रीनगर (शिवमंदिर लग) तीन दिवसीय आयोजन करय जा रहल अछि. एहि मास अर्थात दिसंबर २०, २१ ओ २२ तारीख कें कोन्नगर मे आने बेर जकाँ एहू बेर कार्यक्रम आयोजित अछि. नबोनारायण मिश्र एहि विषय मे जनतब देइत कहलनि जे २० आ २१ दिसंबर कें अष्टजाम नाम संकीर्तण होयत. रविदिन २२ दिसंबर कें भाखा प्रेमी ओ मैथिल बुद्धिजीवी लोकनि मैथिली हेतु विमर्श करबाक हेतु जुटताह. जनतबक अनुसार कार्यक्रम मे वरिष्ठ साहित्यकार रामलोचन ठाकुर, नवीन चौधरी, प्रो. शंकर झा, प्रफुल्ल कोलख्यान, जीबेन्द्र मिश्र आदि लोकनि उपस्थित होयताह. ज्ञात हो जे भाखा कें संविधानक अष्टम अनुसूचि मे स्थान भेटबाक अवसरक दिन प्रत्येक वर्ष मैथिल, मिथिला ओ मैथिली सं जुडल संस्थादि देश-विदेश मे विभिन्न कार्यक्रम आयोजित करैत अछि. (Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो) 
Previous Post Next Post