अधिकार दिवस पर युवा ब्रिगेड लेत शपथ

कलकत्ता. मिथिला विकास परिषद् केर राष्ट्रीय अध्यक्ष अशोक झा मैथिल युवक-युवती केर आह्वान करैत कहलनि जे हमरा सभ कें आब हाथआर हाथ ध' बैसल नहि रहबाक चाही. बहुत समय बीति गेल. गीत-नाद, साहित्यिक गोष्ठी, सांस्कृतिक क्रियाकलाप आदि अनेक भेल. आब समय आबि गेल अछि जे राजनीतिक रूपें अपन स्थान सुरक्षित कयल जाय. मिथिला दिस कोनो राजनीतिक पार्टी वा राजनेता केर धियान नहि जाइत छै. विभिन्न राजनीतिक पार्टी सं क्षेत्र मे जीतल नेता पटना-दिल्ली मे दरबार जगबय मे व्यस्त छथि आ क्षेत्र अति पछुआएल भ' गेल अछि. मिथिला विकास परिषद् अपन क्रियाकलाप मिथिला केर भूमि पर बढ़ौलक अछि. दड़िभंगा-जयनगर राजमार्ग केर उद्धार कार्य एकर उदाहरण अछि. 
अशोक झा मिथिला विकास परिषद् केर केंद्रीय कार्यालय मे कोर कमेटी केर भेल बैसार मे अपन बात रखैत कहलनि जे आब मैथिली-मिथिला केर नाम पर विभिन्न माध्यम सं सक्रीय लोकनि कें एकठाम जुटि कोनो साझा मंच तैयार क' जनआंदोलन करबाक चाही. ओ जनओलनि जे मैथिली अधिकार दिवस केर उपलक्ष्य मे २२ दिसंबर कें ५ बजे सांझ मे तारासुन्दरी पार्क मे नागार्जुन-यात्री प्रतिमाक समक्ष ११०० युवक-युवती शपथ ल' मिथिला केर उद्धार हेतु अपन भागीदारी सुनिश्चित करत. संगहि २३ दिसंबर कें महानगरक राजपथ पर मशाल जुलूस सेहो निकालल जायत.
(Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)  
Previous Post Next Post