मनाओल गेल राजकमल चौधरीक 85म जयन्ती

पटना. चेतना समिति, पटनाक तत्त्वावधानमे मैथिलीक ख्यातलब्ध साहित्यकार राजकमल चौधरीक 85म जयन्ती १३ दिसंबर कें विद्यापति भवनमे मोहन भारद्वाजक अध्यक्षता एवं डा. रमानन्दझा‘रमण’क संयोजकत्वमे मनाओल गेल. एहि अवसरपर मुख्यवक्ता छलाह डा. तारानन्द‘वियोगी’. डा.वियोगी कहल जे प्रारम्भमे राजकमलक ग्रामीण हुनक नामो लेबामे परहेज करैत छलाह. किन्तु आब ओ युवावर्गक ‘आइकोन’ भए गेलाह अछि. एहि अवसरपर राजकमलक जीवनपर वृत्तचित्र निर्माणकर्ता मनोज श्रीपतिक अतिरिक्ति, किसलय कृष्ण, विजय महापात्र, अजित आजाद, योगेन्द्रनारायण मल्लिक, डा.वासुकीनाथझा, कुणाल, अशोक आदि राजकमलक साहित्यपर विस्तारसॅं चर्चा करैत श्रद्धांजलि अर्पित कएल. रामसेवक राय धन्यवाद ज्ञापन कएलनि. 
(Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो) 
Previous Post Next Post