सम्मेलन मे उठल अवाज, देबहि पड़तैक मिथिला राज

२६म अंतर्राष्ट्रीय सम्मेलन मे मंच पर उपस्थित पाहून लोकनि
बाबाधाम. अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद्क २६म अंतर्राष्ट्रीय सम्मेलन मे अलग मिथिला राज्यक माँग जोरदार रूप मे उठल. सम्मेलन २३-२४ नवम्बर २०१३ कें देवघर मे आयोजित छल. जाहि मे मैथिली भाषा कें मजगूत करबा लेल सम्पूर्ण मैथिली भाषी कें एकजुट भऽ आगु बढ़बाक आह्वान कएल गेल. एहि मे भारत तथा नेपालक प्रतिनिधि सभ उपस्थित भेलाह. मुख्य अतिथि कृष्णानन्द झा कहलनि जे भाषाक आधार पर अलग राज्य भेटब कठिन अछि, अलग राज्य बास्ते सम्पूर्ण मापदंड कें पूरा कराय पड़त, जकर आवश्यकता अछि. मिथिलाक संस्कृति कें जाधरि अन्य प्रान्तक संस्कृतिक संग समन्वय स्थापित नहि होइछ, ताधरि अलग राज्य बनब संभव नहि अछि. जखन अपन भाषा कें अन्य राज्यक संग जोडल जायत तखने देशक ४० प्रतिशत आबादी स्वतः जुडि जायत.
अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद अध्यक्ष डा. कमलकान्त झा कहलनि जे मिथिला राज्यक मांग उठल तऽ सरकार मैथिली भाषा कें मान्यता देलक. मिथिला राज्यक मान्यता वास्ते देशक सब प्रान्तक लोक कें आगु आबय पड़त. संगे ओ झारखण्ड सरकार सँ मैथिली भाषा कें राज्यक द्वितीय राजभाषाक रूप मे शामिल करबाक मांग केलनि. झारखण्ड मे मैथिली कें द्वितीय राजभाषा मे शामिल करबा लेल काँग्रेसक पूर्व मन्त्री कृष्णानन्द झा सँ सहयोग सेहो मंगलनि. कृष्णानन्द झा अपन पूरा सहयोग देबाक प्रतिबद्धता सेहो जाहिर केलनि. सम्मेलनक उद्घाटन पूर्व मंत्री कृष्णानन्द झा, अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषदक अध्यष डा. कमलकान्त झा, नेपालक परिषद अध्यक्ष करुणा झा, संस्थापक अध्यक्ष डा. घनाकर ठाकुर, भूवनेश्वर प्रसाद गुरमैता, बैद्यनाथ मिथिला संस्कृति मंचक अध्यक्ष ओम प्रकाश मिश्र संयुक्त रूपें दीप प्रज्वलित कऽ उद्घाटन केलनि.
नेपालक परिषद अध्यक्ष करुणा झा कहलनि मैथिली भाषा तथा मिथिला राज्यक मान्यता लेल आन्दोलनक दौरान पाँच लोग शहीद भ' गेल, जाहि मे एक महिला सेहो छलीह. नेपाल मे जोर शोर सं मिथिला राज्यक मांग उठि रहल अछि. ओ कहलनि, मिथिला राज्य लेल समाजक सब वर्गक लोक कें संग ल' चले पड़त. संगे ओ अंतर्राष्ट्रीय मैथिल महिला परिषदक गठन करबाक वास्ते जोर देलनि जाहि सं अभियान मे महिला सभ कें जोडल जा सकत. कार्यक्रमक आयोजना बैद्यनाथ मिथिला संस्कृति मंच द्वारा कएल गेल छल. दू दिवसीय समारोह मे दोसर दिन पहिल सत्र मे जीवकान्त आ मायानन्द मिश्रक श्रद्धांजलि सभा तथा दोसर सत्र मे रंगारंग सांस्कृतिक संध्या मे देश-विदेशक कलाकार लोकनि भाग लेलनि. एहि अवसर पर भूतपूर्व डीआइजी के.डी. सिंह, प्रदेश महासचिव रवीन्द्र चौधरी, जमशेदपुरक श्यामल सुमन तथा सैकडो मिथिलाबासीक उपस्थिती रहल. धन्यवाद ज्ञापन बैद्यनाथ मिथिला संस्कृति मंचक अध्यक्ष ओमप्रकाश मिश्र  केलनि.
(Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post