जनकपुरमे होयत १०सम अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन

जनकपुर मे सम्मलेन कें ल' बैसार मे उपस्थित मैथिलजन
जनकपुरधाम. अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन (दिल्ली)क बैसार महासचिव डा.बैधनाथ चौधरी 'बैजू'क अध्यक्षतामे शनिदिन जनकपुरमे सम्पन्न भेल. बैसारमे दसम अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन जनकपुरधाम, नेपालमे मनाओल जयबाक निर्णय कयल गेल. उक्त सम्मेलनक संयोजक मैथिलीक सुप्रतिष्ठित साहित्यकार रामभरोस कापडि 'भ्रमर' कें सर्वसम्मतिसँ बनाओल गेल. संगहि मिथिला राज्यक औचित्य विषयक गोष्ठी सेहो सम्पन्न भेल जाहिमे अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समितिक अध्यक्ष डा. बैधनाथ चौधरी 'बैजू' कहलनि हम मिथिला राज्यक पूर्णतः समर्थक छी. ओ कहलनि जे नेपालमे जँ मिथिला राज्य होयत त' हमरा लोकनि सर्वतोभावेन सहयोग करबाक हेतु तैयार रहब. डा. बैजू कहलनि आर्थिक, भाषायी, राजनैतिक, शैक्षिक सहितक आजादीक लेल आ मिथिलाक सर्वांगीण विकासक लेल मिथिला राज्य अनिवार्य अछि.
नेपाल प्रज्ञा प्रतिण्ठानक सदस्य प्राज्ञ डा. रामभरोस कापडि 'भ्रमर' काठमाण्डूमे २०१० मे सम्पन्न अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलनक आयोजन सदृशे एहू बेर एतय तकर भव्य आयोजनक विश्वास व्यक्त करैत मैथिली भाषा साहित्यक विकासमे एहन सन आयोजनक योगदानक चर्च कएलनि. एहि अवसर पर सर्वश्री डा. बुचरु पासमान, डा. रेवती रमण लाल, चन्द्रेश, जीवकान्त मिश्र, चन्द्र शेखर झा ( बूढा भाइ), राजाराम सिंह राठौर सहितक व्यक्तित्व लोकनि उपस्थिति छलथि. बैसारसँ इएह दिसम्बर २२ आ २३क सम्मेलनक आयोजन जनकपुरधाममे होयत से घोषणा कयल गेल. सम्मेलनके आयोजनक हेतु सभ प्रकारक ब्यबस्थापनक अभिभारा संयोजककें देल गेलनि. (Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post