भेल पोथीक विमोचन ओ काव्यगोष्ठी

मिविप दिस सं पोथी विमोचित करैत पाहुन लोकनि  
कलकत्ता. मिथिला विकास परिषद् द्वारा दू गोट पोथी काल्हि रविदिन 6 अक्टूबर कें महानगरक महाजाति सदन केर संयुक्त भवन प्रेक्षागृह मे विमोचित कयल गेल. मैथिली कविता विषयक दुनू पोथीक विमोचन मैथिलनेही सांसद सुदीप बंद्योपाध्याय कयलनि.  आधुनिक मैथिली कविता : दशा ओ दृष्टि तथा कोलकाता : मैथिली कविता नामक पोथी विमोचित भेल. ध्यातव्य अछि जे पछिला साल मिथिला महोत्सवक तेसर दिन आयोजित साहित्य संध्या मे विभिन्न विद्वान् लोकनि द्वारा आलेख पाठ ओ कवि गोष्ठी भेल छल. कविता कें समर्पित ओहि कार्यक्रम केर आलेख ओ कविता पर पोथी बहार कयल गेल अछि. पहिल पोथी जतय आधुनिक मैथिली कविता पर विद्वान् लोकनिक आलेखक संग वर्त्तमान साहित्य पर इजोत देइत अछि त' दोसर पोथी मे महानगर मे सक्रिय मैथिली कवि लोकनिक रचना संकलित अछि. आमोद कुमार झा केर स्वागत भाषण सं शुरू भेल पोथी विमोचन सत्र मे सांसद सुदीप बंद्योपाध्याय, कोलकाता नगर निगम केर उपमेयर फरजाना आलम, गीतेश शर्मा, प्रफुल्ल कोलख्यान, डॉ शंभूनाथ, कामदेव झा, डॉ वीरेंद्र मल्लिक, मिविप अध्यक्ष अशोक झा अपन विचार प्रकट कयलनि. अंजय चौधरी दिवंगत साहित्यकार महाप्रकाश-मायानंद-जीवकांत समर्पित मंच पर हिनका लोकनिक साहित्यिक योगदान केर चर्च कयलनि. 
कार्यक्रम केर दोसर सत्र मे कवि सम्मलेन भेल. बिनय भूषण केर अध्यक्षता मे शुरू भेल सम्मलेन मे अजय तिरहुतिया, विजय इस्सर, चन्दन कुमार झा, आमोद कुमार झा, लक्ष्मण झा 'सागर', रूपेश त्योंथ, अशोक झा अपन कविता पाठ कयलनि. तेसर सत्र मे अशोक कुमार झा 'भोली' ओ अंजना इस्सर गीत प्रस्तुत कयलनि. अंजय चौधरी द्वारा धन्यवाद ज्ञापनक संग कार्यक्रम समाप्त भेल. (Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो) 
Previous Post Next Post