काल्हि मायानंद मिश्र ओ जीवकांत केर स्मरण सभा

कलकत्ता. दिवंगत साहित्यकार मायानंद मिश्र ओ जीवकांत कें श्रद्धांजलि देबाक लेल सभा आयोजित कयल गेल अछि. सभाक आयोजन काल्हि अर्थात २ अक्टूबर कें सांझ ५ बजे सं स्थानीय विद्यापति विद्यामंदिर मे होयत. साहित्यिक गोष्ठी 'संपर्क' ओ मिथिला सांस्कृतिक परिषद् द्वारा एहि तरहक कार्यक्रम आयोजित कयल गेल अछि. एकर जनतब मिथिलेश कुमार झा देलनि अछि.
एहि अवसर पर कोलकाताक मैथिल साहित्यकार ओ बुद्धिजीवी लोकनि जुटताह. संगहि मासक दोसर रवि कें होमयवला साहित्यिक गोष्ठी संपर्क सेहो काल्हिये होयत. आगां दुर्गा पूजा कें ल' एहन कयल गेल अछि. कार्यक्रमक रूपरेखा सं लगैत अछि जे मायानंद मिश्र ओ जीवकांत पर चर्चा-परिचर्चा संभव आ बहुत नव बात आ जनतब सोझां आयत. संपर्क ओहुना नवतुरिया साहित्यकारक उत्साह बढबैत अछि. काल्हि केर कार्यक्रम जनतब सं भरल होयत. (Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post