बैसार मे विभूति सभ पर भेल चर्चा

कलकत्ता. मासिक साहित्यिक बैसार 'संपर्क' रविदिन ८ सितम्बर कें नविन प्रकाशन कार्यालय मे भेल. बरखैत मेघक बादो किछु साहित्य प्रेमी पहुँचलाह. बैसार केर अध्यक्षता रोहित कुमार मिश्र कयलनि. नवीन चौधरी, मिथिलेश कुमार झा, चन्दन कुमार झा, नवकृष्ण ऐहिक अपन टटका रचना पढलनि. एकर अतिरिक्त दयाशंकर मिश्र सेहो उपस्थिति छलाह. बैसार मे नियमित कार्यवाही केर अतिरिक्त मैथिली विभूति सभ पर विस्तार सं चर्चा भेल. नवीन चौधरी मायानंद मिश्र, जीवकांत, डॉ लक्ष्मण झा, मधुप, मणिपद्म आदिक साहित्य पर बतओलनि जे बेस रोचक आ ज्ञानवर्धक रहल. 
एहि सं एक दिन पहिने शनिदिन ७ सितम्बर कें मिथिला विकास परिषद् केर मिथिला सभागार मे डॉ ब्रजकिशोर वर्मा 'मणिपद्म' केर जयंती मनाओल गेल. अंजय चौधरी केर संयोजकत्व मे आयोजित कार्यक्रम मे मणिपद्म केर रचना संसार आ हुनक जीवनी पर चर्चा कयल गेल. एहि मे अध्यक्ष अशोक झा सहित उपस्थिति लोकनि महान साहित्यकार मणिपद्म पर इजोत देलनि. 
(Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post