साहित्य समर्पित सांझक होयत आयोजन

> मिविप करत पोथी विमोचित, कवि सम्मलेन ओ लोकगीतक कार्यक्रम
कलकत्ता. मिथिला-मैथिली क्रियाकलाप मे अग्रणी संस्था मिथिला विकास परिषद् द्वारा दू गोट पोथी विमोचित कयल जायत. मैथिली कविता विषयक दुनू पोथीक विमोचन रविदिन 6 अक्टूबर कें महानगरक महाजाति सदन केर संयुक्त भवन प्रेक्षागृह मे कयल जायत. कार्यक्रम सांझ ५.३० बजे सं होयत. मिविप केर केन्द्रीय अध्यक्ष अशोक झा मिथिमीडिया कें जनतब देइत कहलनि जे दू गोट पोथी आधुनिक मैथिली कविता : दशा ओ दृष्टि तथा कोलकाता : मैथिली कविता  केर विमोचन मैथिलनेही सांसद सुदीप बंद्योपाध्याय करताह.
तीन सत्र मे आयोजित कार्यक्रम केर पहिल सत्र मे पोथी विमोचन, दोसर सत्र मे कवि सम्मलेन ओ तेसर सत्र मे लोकगीत केर कार्यक्रम होयत. समस्त कार्यक्रम मायानंद ओ जीवकांत मंच द्वारा होयत जकर संचालन अंजय चौधरी करताह.  
(Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post