'पत्र-पत्रिका भाखा-साहित्य केर प्राण अछि'

कलकत्ता. कोलकाता स्थित क्षेत्रीय कार्यालय मे रविदिन २२ सितम्बर भोरे १० बजे सं साहित्य अकादेमी द्वारा परिसंवाद ओ लेखक सं भेंट कार्यक्रम आयोजित भेल. कार्यक्रम चारि सत्र मे भेल. कोलकाता केर मैथिली प्रेमी लोकनि एहि कार्यक्रम मे नीक संख्या मे उपस्थित भेलाह. उद्घाटन सत्र मे साहित्य अकादेमी केर विशेष कार्य अधिकारी एन.सी. महेश स्वागत कयलनि आ सत्र केर अध्यक्षता मैथिली चिन्तक अंजय चौधरी कयलनि.  उद्घाटन भोगेन्द्र झा ओ विषय प्रवर्तन साहित्य अकादेमी केर मैथिली परामर्श मंडल केर संयोजिका वीणा ठाकुर ओ बीज भाषण प्रख्यात मैथिली लेखक देवेन्द्र झा कयलनि. सत्रक अंत मे साहित्य अकादेमी केर मैथिली  परामर्श मंडल केर सदस्य कामदेव झा धन्यवाद ज्ञापन कयलनि.
मैथिली भाषा एवं साहित्यक विकास मे साहित्यिक पत्र-पत्रिकाक योगदान विषय पर आयोजित परिसंवाद दू सत्र मे भेल. पहिल सत्र केर अध्यक्षता राजनन्दन लाल दास कयलनि. तारा कान्त झा, रामलोचन ठाकुर ओ अनमोल झा आलेख पाठ कयलनि. दोसर सत्र वीरेन्द्र  मल्लिक केर अध्यक्षता मे शुरू भेल जाहि मे नवीन चौधरी, अशोक झा ओ मिथिलेश कुमार झा आलेख पढलनि. समापन सत्र केर अध्यक्षता किशोरी कान्त मिश्र कय्लनि आ पर्यवेक्षण महेंद्र हजारी कयलनि. गुणनाथ झा केर भाषणक पश्चात् परिसंवाद केर कार्यक्रम समाप्त भेल. मैथिली साहित्यिक लोकनि  पत्र-पत्रिका कें भाखा-साहित्य केर प्राण बतओलनि.
सुरेश्वर झा लेखक सं भेंट कार्यक्रम मे अपन अनुभव ओ रचनात्मक यात्रा शेयर कयलनि. संगहि ओ उपस्थित मैथिलजन केर मैथिली भाखा-साहित्य पर आधारित विभिन्न प्रश्न केर उत्तर देलनि. वीणा ठाकुर उपस्थित मैथिलजन कें धन्यवाद देलनि. (Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post