मायाबाबू केर निधन सं साहित्य जगत शोकाहत

पटना/कलकत्ता. मैथिली केर वयोवृद्ध साहित्यकार 82 वर्षीय मायानन्द मिश्रक शनिदिन भोरे पटनाक इंदिरा गांधी हृदय रोग संस्थान मे निधन भ' गेलनि. ओ बहुत दिन सं बेमार चलि रहल छलाह. माया बाबूक निधन पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार शोक जतओलनि अछि. ओ कहलनि जे मायानन्द मिश्रक निधन सं हिन्दी आ मैथिली साहित्य कें झटका लागल अछि. प्रो मायानन्द मिश्र कें उपन्यास मंत्रपुत्रक लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार भेटल छलनि. 
मायाबाबू केर परलोक गमन केर समाद जंगल मे आगि जकां समस्त साहित्यिक पट्टी मे पहुँचि गेल. भोरहि सं लोक जतय-ततय दूरभाष संपर्क सं अपन दुःख एक-दोसरा सोझाँ प्रकट कयलनि. मैथिली साहित्य केर एक युगक अंत भ' गेल अछि. एहि कें ल' देश भरि मे मैथिल संस्थादि सभ द्वारा संवेदना प्रकट कयल गेल. मायानंद मिश्र मैथिली आ हिंदी केर अत्यंत लोकप्रिय कवि, कथाकार, उपन्यासकार छलाह.  (Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post