विभिन्न मांग कें ल' ABMP केर 'शांति मार्च'

नव दिल्ली. मिथिला राज्यक मांग कें केंद्र क' गठित राजनीतिक दल अखिल भारतीय मिथिला पार्टी द्वारा शांति मार्च केर आयोजन कयल गेल. शांति मार्च रविदिन 8 सितम्बर कें राजघाट सं निकलल. पार्टी दिस सं विभिन्न मांग कें ल' एहि तरहक मार्च आयोजित कयल गेल. जाहि मे पार्टी केर महासचिव रत्नेश्वर झा सहित बेस संख्या मे कार्यकर्ता लोकनि भाग लेलनि. विभिन्न मांग कें ल' शांति पूर्ण मार्च केर आयोजन सं मैथिल कार्यकर्ता लोकनि बेस उत्साह मे देखल गेलाह.
रत्नेश्वर झा केर अनुसार भारत केर संघीय गणतंत्र मे मिथिला कें राज्यक दर्ज नहि भेटने एहि क्षेत्रक साहित्य, संस्कृति ओ संपूर्ण आर्थिक व्यवस्था ध्वस्त भ' रहल अछि. देशक सभ सं पछुआयल क्षेत्र मिथिला केर उपेक्षा करब आब नहि चलत. मार्च मे शामिल युवा लोकनिक संख्या अत्यंत उत्साहवर्धक रहल.  
(Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post