ABMP केर 'शांति मार्च' 8 कें

नव दिल्ली. मिथिला राज्यक मांग कें केंद्र क' गठित राजनीतिक दल अखिल भारतीय मिथिला पार्टी द्वारा शांति मार्च केर आयोजन कयल गेल अछि. रविदिन 8 सितम्बर कें राजघाट सं संसद भवन धरि शांति मार्च होयत. पार्टी दिस सं विभिन्न मांग कें ल' एहि तरहक मार्च आयोजित कयल गेल अछि. जाहि मे पार्टी केर नेता लोकनिक संग भारी संख्या मे कार्यकर्ता सभ भाग लेताह. पार्टी केर रत्नेश्वर झा जनओलनि जे नव राज्य गठन आयोग केर निर्माण लेल सरकार धरि अपन बात पहुँचयबाक उद्देश्य सं एहन आयोजन राखल गेल अछि. ओ कहलनि जे सरकार कें मिथिला राज्यक मांग पर अवश्य विचार करबाक चाही. मिथिला केर मांग सर्वथा उचित अछि आ समस्त आन्दोलन शांतिपूर्ण होइत आबि रहल अछि. सरकारी उदासीनता चलते समाज मे गलत सनेश जा रहल अछि. उग्र आ हिंसक आन्दोलन लेल सरकार सोचैत अछि मुदा मिथिला राज्य लेल ककरो लग समय नहि छैक. हम सभ शांति सं अपन मांग रखैत छी आ रखैत रहब.  (Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post