MCCI केर नव कार्यकारिणी गठन सभा


कलकत्ता. 'कलकत्ता मैथिल लेल काशी अछि, एहन कहल जाइत अछि. देशक सांस्कृतिक राजधानी मे सांस्कृतिक रूपें धनाठ मैथिल लाखो केर संख्या मे रहैत छथि. किछु बरख पहिने कलकत्ता मे मोश्किल सं आंगुर पर गिनल मैथिल व्यवसाय करैत छलाह मुदा आजुक समय मे ई संख्या हजारो मे अछि. लगभग अढाइ दशक पहिने सोचल संस्था आइ उनइस बरखक भ' गेल से सोचि अत्यंत हर्ख भ' रहल अछि.' किछु एहने उदगार व्यक्त कयलनि मिथिला चैम्बर ऑफ़ कॉमर्स एंड इंडस्ट्रीज केर संस्थापक सदस्य मे सं एक आ 'श्री मिथिला' पत्रिका केर सम्पादक महेंद्र हजारी.

विगत शनिदिन (24 अगस्त 2013) MCCI केर कार्यालय मे नव कार्यकारिणी गठन लेल सभा बैसल छल. संस्था केर सदस्य लोकनि पुनः बरख 2013-14 लेल प्रदीप कुमार झा कें अध्यक्ष ओ गंगा प्रसाद झा कें सचिव चुनलनि. संजय कुमार झा कें संयुक्त सचिव चुनल गेल. बैसार मे कामदेव झा, महेंद्र हजारी, प्रदीप कुमार झा, गंगा प्रसाद झा, देवेन्द्र हजारी, राजीव रंजन मिश्र, चन्दन कुमार झा सहित अन्यान्य लोकनि उपस्थित छलाह.

(Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post