धीरेन्द्र ओ लूटन कें अकादेमीक पुरस्कार

नव दिल्ली. साहित्य अकादेमी वर्ष 2013 हेतु 23 भाषा मे युवा पुरस्कारक घोषणा कयलक अछि जाहि मे 16 कविता संग्रह, एक उपन्यास, पांच कहानी संग्रह आ एक साहित्यिक आलोचना केर पोथी अछि. अकादेमी द्वारा जारी विज्ञप्तिक अनुसार मैथिली मे दिलीप कुमार झा 'लूटन' कें कविता-संग्रह 'अंकुरा रहल संघर्ष' लेल पुरस्कृत कयल गेल अछि. एकर संगहि अर्चना भैसारे (हिन्दी), राजकुमार मिश्र (संस्कृत), शुभ्र बंद्योपाध्याय (बांग्ला) कें सेहो कविता लेल पुरस्कृत कयल गेल. साहित्य अकादमीक अध्यक्ष विश्वनाथ प्रसाद तिवारी केर अध्यक्षता मे कार्यकारी मंडलक बैसक मे पुरस्कारक अनुमोदन कयल गेल.
संगहि डॉ धीरेन्द्र कुमार झा कें हुनक कृति 'हमरा बीच विज्ञान' लेल बाल साहित्यक पुरस्कार देल जयबाक निर्णय भेल अछि. डॉ धीरेन्द्र ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय केर सेवा निवृत प्राध्यापक छथि. (Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)

Previous Post Next Post