मातृभाषाक प्रति कटिबद्धताक बरखपूर्ति

जेना लागल जे बरख फुस्स द' बीति गेल. बेसी दिन नहि भेल अछि नियारला...जे वेब माध्यम सं मैथिलीक सेवा करब. एहन नहि अछि जे मैथिलीक सेवा मे एक्के बरख भेल अछि. मोनो नहि अछि कहिया सं मातृभाषाक प्रति अनुराग जागल. किशोरवय मे प्रवास आ बंगभूमि केर वातावरण हमरा मैथिलीक बेसी निकट ल' गेल. लगभग डेढ़ बरख पहिने मिथिला-मैथिली हेतु एक विचार गोष्ठी आयोजित भेल छल. ओतय बजबाक -सुनबाक अवसर भेटल. कोलकाता केर एक अति सक्रिय मैथिल अपन बात रखैत बाजल छलाह—नवतुरिया मैथिलक मैथिली आ मिथिला प्रति लगाओ केर पता एही सं चलैत अछि जे रूपेश त्योंथ सन युवक लगभग दू बरख बाद कोनो गोष्ठी मे भेटलाह अछि. की एहना मे मैथिली-मिथिलाक भविष्य नीक होयत? ई प्रश्न हमरा हीया मे भीतर धरि धंसल. सत्ते किछु समय सं व्यक्तिगत दउग-भाग मे कलकतिया मैथिल क्रियाकलाप सं फटकी भ' गेल छलहुं. सोचल जिनगीक दउग-भाग बढबे करत...कम नहि होयत. एहना मे मैथिलीक प्रति अपन दायित्व निमाहबा हेतु किछु करय पडत. एहना मे वेब माध्यमे मैथिली सेवा केर बात अभरल आ किछु सहयोगियो सभ संग देबाक बात कहलनि. एतहि सं मिथिमीडिया हेतु सोचब आ किछु करब शुरू कयल. पनरह अगस्त २० १ २ कें औपचारिक शुरुआत कयल. तखन बहुत गोटे संग मे छलाह आ एखनो किछु गोटे संग मे छथि.
आरम्भहि सं मिथिमीडिया कें पाठक केर जे प्रेम भेटलैक से कोनो अन्य मैथिली वेब पोर्टल लेल दुर्लभे. देश-विदेश मे पसरल मैथिल बेर-बेर मिथिमीडिया पर आबि हालचाल आ मैथिली साहित्य केर आस्वादन करैत रहलाह. मिथिमीडिया केर लोकप्रियता केर प्रमाण देबाक आवश्यकता नहि बुझैत छी. वेब पर उपस्थित मैथिली पाठक एहि सभ सं भिज्ञ छथि. तखन एक-आध उदाहरण प्रस्तुत क' रहल छी—
मिथिमीडिया केर औपचारिक शुरुआत केर किछुए दिनक बाद कोलकाताक लोकप्रिय दैनिकपत्र सन्मार्ग जनगणना मे मैथिलीक स्थिति पर अपन सर्वे आ समाचार लेल जाहि दू मैथिल कें संपर्क कयलक ताहि मे एक हमहूं छलहुं. अपन सर्वे आ समाचार मे मिथिमीडियाक उल्लेख सेहो कयने छल. संगहि मैथिलीक उत्तम पत्रिका मिथिला दर्शन केर मइ-जून २०१३ अंक मे उदय नारायण सिंह 'नचिकेता' अपन आलेख मे मिथिमीडिया कें मैथिलीक लोकप्रिय पोर्टल बतओलनि अछि. एकर संगहि ज्ञात -अज्ञात अनेक मंच पर मिथिमीडिया चर्चित प्रशंसित होइत रहल अछि. 
एक बरखक भीतर मिथिमीडिया बहुतो नूतन परिभाषा गढ़लक अछि. जाहि रूपें एहि पोर्टल पर युवा साहित्यकार लोकनि रूचि देखओलनि आ अपन रचनादि पठओलनि से उत्साहवर्धक. हमरा सभ शुरुए सं युवा साहित्यकार लोकनिक रचना प्रमुखता सं प्रकाशित करैत रहलहुं अछि. नव रचनाकारक रचना पत्र-पत्रिकादि मे बहुत कठिन सं स्थान पबैत छैक. एहि बात कें धियान रखैत नवतुरिया कें उत्साहवर्धन करब हमर सभक पहिल काज रहल अछि. साहित्यक विभिन्न विधा केर रचनाक संगहि साक्षात्कारक जे श्रृंखला मिथिमीडिया पर शुरू भेल अछि सेहो इतिहास मे कहियो ने भेल छल. कम-सं-कम वेब पर त' नहिये. ई सभ मिथिमीडिया टीम केर उपलब्धिये ने अछि! हमरा सभ टीम भावना सं काज करैत आबि रहल छी. एकसर सं कखन टीम बनि गेल मिथिमीडिया, सेहो अचंभित करैत अछि. जे अनुभव मिथिमीडिया केर संचालन-सम्पादन मे भेल अछि आ भ' रहल अछि से बेस आनंद प्रदान करैत अछि.
सभ सं उल्लेखनीय हमर टीम आ टीमक पत्रकार-साहित्यकार लोकनि छथि. हिनका सभक प्रयास बिनु मिथिमीडिया एतेक बेसी लोकप्रिय किन्नहुं ने बनि सकैत छल. आरम्भहि सं जाहि तरहें चन्दन कुमार झा, भास्कर झा, प्रकाश झा, मनीष झा 'बौआभाइ', गुंजन श्री, किशोर ठाकुर, सोनू कुमार झा आदि अनेक सहयोगी विभिन्न माध्यमे मिथिमीडियाक लोकप्रियता बढबैत रहलाह. एकर संगहि अनेक ठाम केर मैथिली सेवी लोकनिक परामर्श आदि सेहो हमरा लोकनि मे नव उर्जा भरैत रहल. 
एहि एक बरख मे बहुत किछु बदलि गेल अछि. बदलत किए ने? परिवर्तन संसार केर नियम जे छै...! सभ सं उल्लेखनीय परिवर्तन त' ई अछि जे मिथिमीडिया आब ब्लॉगर पर उपलब्ध अछि. पहिने कस्टम डोमेन लेल गेल छल मिथिमीडिया डॉट कॉम जे आब मिथिमीडिया डॉट ब्लॉगस्पॉट डॉट कॉम मे परिणत भ' गेल. किछु शुभचिंतक लोकनि एहि कें ल' चिंतित भ' गेल छथि. मुदा हम अपन सभ शुभचिंतक आ पाठक लोकनि कें आश्वस्त करैत छी जे एहि सं मात्र एड्रेस परिवर्तित भेल अछि उद्देश्य नहि. हमरा लोकनि जाहि कटिबद्धता सं आरम्भ कयने छलहुँ, ओहि पर अडिग छी. परिवर्तन त' होइते रहैत छैक...ओहि परिवर्तनक संग अनुकूलित भ' पुनः डेग बढबय पडैत छैक. कोनो पत्र-पत्रिका ओ वेब पोर्टल लेल पाठक प्राण होइछ आ जा पाठक जुडल छथि मिथिमीडिया जिबैत रहत.
पाठक ओ अपन सभ सहयोगी आ जुडल रचनाकार लोकनिक प्रति आभार प्रकट करैत नूतन बरख आ नूतन चुनौतीक संग आओर बेसी कार्य अवसर ल' आबय ताहि शुभकामना संग बधाइ. जय मैथिली!  
— रूपेश त्योंथ  संस्थापक /सम्पादक 

Previous Post Next Post