जानकी नवमी पर एमसीसीआइ केर संगोष्ठी

कलकत्ता. १९ मइ २०१३ केँ जानकी नवमी'क अवसर पर कोलकाता'क 'मिथिला चेम्बर ऑफ कॉमर्स एण्ड इण्डस्ट्रीज' द्वारा आयोजित ''मैथिलत्व'क अवधारणा,मिथिला आंदोलन आ संस्थागत दायित्व'' विषय'क संगोष्ठी'क आयोजन स्थानीय फ्लोटेल होटल'क सभागारमे कएल गेल. एहि अवसर पर अपन विचार रखैत आइ.आइ.एम. कोलकाता'क प्राध्यापक एवं मैथिली साहित्यकार विद्यानंद झा कहलनि जे ओना तऽ हम सभ कहबा लेल सात करोड़ मैथिल'क संख्या कहैत छी मुदा, एहन मैथिल जिनकामे मैथिलत्वक बोध होनि आ मैथिल हेबाक गौरव होनि बहुत कम छथि. ओ आगाँ बजलाह जे चेम्बर चूँकि एकटा वाणिज्यिक संस्था थिक तेँ मिथिला आ मिथिलासँ बाहरो मैथिल उद्योगपति सभकेँ एकमंचपर आनि मिथिलाकेँ औद्योगिक विकाससँ जोड़बाक प्रयास करय. एहि अवसरपर शिक्षाविद भोगेन्द्र झा अपन वकतव्यमे कहलनि जे मिथिला सभदिने शैक्षणिक आ' बौद्धिक रूपेँ समृद्ध रहल अछि मुदा बदलैत शिक्षा व्यवस्थाकेँ धेयानमे रखैत मैथिलकेँ अपन प्राचीन सभ्यता-संस्कृति'क प्रति विशेष सचेष्ट होमय पड़तनि. रंगकर्मी आ शिक्षिका किरण झा मिथिला-मैथिली'क गतिविधिमे नारीक भागीदारी सुनिश्चित करबाक प्रयास'क आह्वान कएलनि.
कार्यक्रमक उद्घाटन चैम्बरक संरक्षक आ साहित्य अकादमीमे मैथिली सलाहकार समितिक सदस्य कामदेव झा दीप प्रज्जवलित कए आ जानकी'क चित्रपर माल्यार्पण कए कएलनि. ओ अपन उद्बोधनमे मैथिली गतिविधिमे युवा'क बढ़ैत भागीदारी पर प्रसन्नता व्यक्त कएलनि. एहि अवसरपर साहित्यकार भाष्कर झा आ रंगकर्मी भवनाथ झा मैथिली सिनेमा जगत तथा रंगमंचक अतीतसँ वर्तमानधरि'क विभिन्न तथ्यसभ विस्तार पूर्वक रखलनि. गोष्ठीकेँ राजीव रंजन मिश्र, दिनेश मिश्र आ चंदन कुमार झा सेहो संबोधित कएलनि. आगत-अतिथिकेँ धन्यवाद ज्ञापन चेम्बर'क सचिव गंगा प्रसाद झा आ गोष्ठीक संचालन रंजीत कुमार झा कएलनि.  

(Report: चंदन कुमार झा / Photo: प्रकाश झा)
Previous Post Next Post