मैथिलजन मिथिला राज चाहै छथि


मिथिला राज्य केर मांग कें ल' जनकपुर मे धरना पर बैसल लोकक भीड़ मे बम बिस्फोट मैथिली दिवस (2012) दिन भेल छल. मिथिला लेल पांच गोट मिथिसन्तति शहीद भेल. एही मे मैथिली फिल्म अभिनेत्री रंजू झा सेहो दिवंगत भेलीह. शहीदक शहादत अकारथ नहि जाइछ. मैथिली दिवस दिन मिथिला राज्यक आन्दोलन ऐतिहासिक मोड़ लेलक आ दुनू पारक मिथिला कें डोलओलक. मिथिला राज्य आन्दोलन दुनू पार तेज भेल अछि. मैथिली कें मजगूत करब त' मिथिला मजगूत होयत आ तखने ने मिथिलासुता जगदम्बा मैथिली (जानकी) मुदित होयतीह. 

अप्पन पहिचान हेतु मैथिल लडैए
ई देखि कियए आइ दुनिया जडैए

तत्पर मैथिल लगायत आब छक्का
फोड़त कतेक रछसबा बम- फटक्का

मिथिला मे उत्सर्ग हेतु सिया तैयार छै
आन्दोलन मे उतरल आइ रंजू हज़ार छै

निस्सन अमिट पहिचान मिथिला केर
शुरू करब नव विहान अछि एखने बेर

आब फुफकारत डंसत कतबो ओ नाग 
मुदा नीचां ने होयत मिथिला केर पाग

कम ने होअय देब मिथिला केर मान
फैशन बनल पाग-पान-माछ-मखान

आपस केर सभ द्वेष-राग डाहै छथि
मैथिलजन मिथिला राज चाहै छथि  

— रूपेश त्योंथ
rupeshteoth.wordpress.com
Previous Post Next Post