अंतर्राष्ट्रीय महिला दिवस पर दूदिना आयोजन

> दहेज़ प्रथा मेटयबाक लेल गेल सप्पत  
जनकपुर/राजविराज. महिला अधिकार लेल  जमीनी स्तर पर काज केर अभाव रहल आ  तैं अखनो धरि महिला सभ पिछडल अवस्थामे रहल. विगत वृहस्पतिदिन नारी दिवसक अवसरमे क्रेस नेपाल  द्वारा सप्तरीक पातोमे आयोजित सभामे पाहुन लोकनि असंतोष  व्यक्त कयलनि.  कार्यक्रममे अगुआ महिला ललिता राम  पुरुख समर्थनक अभाव बतओलनि. क्रेस नेपालक उपाध्यक्ष गंगाप्रसाद रामक अध्यक्षता आ मंजुला खातुनक प्रमुख आतिथ्यमे आयोजित सभामे शिक्षिका मंजू श्रेष्ठ प्रजनन अधिकारक पहिल हकदार महिला रहल बतओलनि. कार्यक्रममे महिला अधिकारकर्मी जानकीदेवी सादा, दीनाभद्री सामुदायिक संस्था पातोक चन्द्रिका सदा, लक्ष्मी महिला सामुदायिक संस्था भुतहीक यज्ञदेवी राम, इन्सेक प्रतिनिधि मनोहर पोखरेल, पशुसेवा केन्द्र पातोक राजलाल पण्डित, सुखाई विश्वकर्मा लगायतक वक्ता  सभ मन्तब्य ब्यक्त कयलनि.
एहिना १०३म अंतर्राष्ट्रीय महिला दिवस पर 'दहेज मुक्त मिथिला' द्वारा राजविराजमे सेहो एक कार्यक्रम भेल. आयोजक संस्थाक अध्यक्ष करुणा झाक अध्यक्षता आ विश्वराज औझाक  प्रमुख अतित्थ्यमे सम्पन्न कार्यक्रममे नेपाल पत्रकार महासंघक अध्यक्ष धीरेन्द्र प्रसाद साह, सचिव राजेश झा, एकीकृत माओवादीक जिल्ला संयोजक उमेश यादव, तराई मधेस लोकतान्त्रिक पार्टीक रामप्रीत  यादव सहित किशोर कुमार यादव, थान सिंह भन्साली, भोगेन्द्र चौधरी  मन्तव्य व्यक्त केने छलाह.
दोसर दिन अर्थात शुक्रदिन १०३म अन्तर्राष्ट्रीय नारी दिवसक अवसरमे महिला तथा बाल-बालिका कार्यालय आ आबद्ध संस्था  सभ  द्वारा राजविराजमे सभाक आयोजना कएल गेल अछि. 
शिव मन्दिर प्राङ्गणसं निकलल जुलूस महिला हिंसा विरुद्धक नाराबाजी करैत नगरपरिक्रमा कएलक. बलात्कारी कें फसरी होअय आ सभहक इच्छा बेटीक शिक्षा, घरमे होमयबाला हिंसा अन्त करू आदि नारा लगाओल गेल आ जुलूस सभा मे परिणत भेल. देवकी न्यौपानेक अध्यक्षता आ सहायक सीडीओ विश्वनाथ ओझाक प्रमुख आतिथ्यमे सम्पन्न भेल कार्यक्रममे नेपाल पत्रकार महासंघ सप्तरीक अध्यक्ष धीरेन्द्र साह, दहेज मुक्ता मिथिला केर अध्यक्ष करुणा झा, सचिव साधना झा, प.वि.उ.मा.विक प्राचार्य मीना ठाकुर, किशोर कुमार यादव आ पत्रकार चन्दन यादव आदि अपन विचार रखलनि.
ओहि कार्यक्रममे दहेज मुक्त मिथिला द्वारा दहेजक विरुद्धमे मैथिली नाटक 'दहेजक परिणाम' मंचित भेल. दहेज़ कुप्रथा पर प्रहार करैत नाटक मे साधना झा, भुपेन्द्र मण्डल, अनु मेहता, अन्जु यादव, प्रतिभा झा, आयूष झा, पंकज मण्डल, सन्जु यादव आदि नीक अभिनय प्रस्तुत कयलनि. (समाद स्रोत)
Previous Post Next Post