'कोइली घूरि आउ' भेल विमोचित

जलेश्वर. मैथिली भाषाक बालकथा संग्रह ‘कोइली घूरि आउ’ शुक्रदिन, 15 मार्च 2013 कें एक समारोह बीच विमोचन कएल गेल अछि. विमोचन फिडा इन्टरनेशनलक कन्ट्री डाइरेक्टर पाइभी लेपानेन आ एमनेष्टी इन्टरनेशनल नेपालक केन्द्रीय अध्यक्ष शम्भु ठाकुर कएलनि. युवा पत्रकार सुजीत कुमार झा द्वारा लिखित पुस्तकमे 27टा कथाक समावेश कएल गेल अछि. नेपाल पत्रकार महासंघ महोत्तरीक जलेश्वर स्थित सभा कक्षमे आयोजित समारोहमे वक्तासभ बालकथा संग्रहकेँ प्राथमिक विद्यालयक पाठ्यक्रममे समावेश करयकेँ मांग कएलनि. मैथिली भाषा साहित्य लेखन क्षेत्रमे युवासभ सक्रिय भऽ लागि रहल प्रति वक्तासभ प्रशंसा व्यक्त करैत मैथिलीकेँ आम लोक संग जोडएकेँ मांग कएलनि. 

पुस्तककेँ विमोचन करैत फिडा इन्टरनेशनल नेपालक कन्ट्री डाइरेक्टर लेपानेन मैथिली भाषा संसारक सभ सँ मधुर भाषा रहल चर्चा करैत एकरा विकासमे फिडा गम्भीरता पूर्वक काज कऽ रहल जानकारी देलनि. मातृभाषामे पढाई भेला सँ धियापुताकेँ प्रगति होइत अछि ई सत्यकेँ सभकेँ बुझए पडत ओ कहलनि. दोसर प्रमुख अतिथि शम्भु ठाकुर मैथिली भाषा साहित्यमे मानव अधिकारक बात सभ उठाबए साहित्यकार सभ सँ आग्रह कएलनि. मैथिली भाषाक वरिष्ठ साहित्यकार डा. राजेन्द्र विमल धियापुता सँ जुड़ल साहित्यकेँ रचना पर जोड देबए युवा साहित्यकार सभकेँ सल्लाह दैत कहलन्हि धियापुते सँ मैथिली पढएकेँ बातावरण बनाबए पड़त. जनकपुर अञ्चल प्रहरी कार्यालयक बरिष्ठ प्रहरी उपरीक्षक शिव लामिछाने मैथिली भाषा साहित्यकेँ स्वर्णिम इतिहास रहल चर्चा करैत एकरा रोजी रोटी सँ जोडएकेँ मांग कएलनि. नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषाक अध्यक्ष राम अशिष यादव मैथिली भाषाक विकासक लेल प्रकाशन संस्था स्थापना पर जोड़ देलनि. साझा प्रकाशन टाइपकेँ सरकारी स्तर सँ प्रकाशन गृह स्थापनाक ओ मांग कएलनि.
एहि अवसर पर महोत्तरी शाखाक अध्यक्ष हरि प्रसाद मण्डल, नागरिक समाजक अगुवा अमर चन्द्र अनिल, युवा नेपालक अध्यक्ष राज कुमार यादव, श्याम सुन्दर शशि, राजेश कुमार कर्ण, मनोज मुक्ति, प्रदीप यादव, वजरंग नेपाली, तमलोपाक सुरेश पाण्डे, एमनेष्टी इन्टरनेशनल महोत्तरीक अध्यक्ष धु्रव राय, शेष नारायण झा, आफन्त नेपालक कार्यक्रम संयोजक जय प्रकाश मण्डल, कोइली घूरि आउ पुस्तकक लेखक सुजीत कुमार झा, पत्रकार अमर कान्त 'अमर' अपन बात रखलनि.
(समाद स्रोत)
Previous Post Next Post