मधुबनी केर डुमरियाही मे होयत फ्रेंडशीप मैच

मधुबनी.  जिला केर ननौर गामक निकट अन्हराठाढ़ी रोड पर अवस्थित  डुमरियाही मे क्रिकेट टूर्नामेंट केर आयोजन होमय जा रहल अछि. एहि आयोजन सं स्थानीय खेल प्रेमी लोकनि मे बेस उत्साह देखल जा रहल अछि. एहि टूर्नामेंट केर आयोजन डेअरडेविल क्रिकेट क्लब दिस सं  कराओल जा रहल अछि. 19 अप्रैल सं शुरू होमयवला एहि आयोजन मे 16 गोट टीम भाग लेत, जकर रजिस्ट्रेशन 15 मार्च सं शुरू होयत. जनतबक अनुसार टूर्नामेंट केर चारि भाग मे बाँटल गेल अछि जाहि मे लीग मैच, क्वार्टर फाइनल, सेमीफाइनल आ फाइनल मैच होयत. विजयी ओ रनर-अप टीम कें पुरस्कार राशि सेहो देल जायत. संगहि मैच सभ मे  नीक प्रदर्शन करयवला खेलाडी कें अलग सं सेहो पुरस्कृत कयल जायत. रजिस्ट्रेशन केर समय-सीमा 15 मार्च सं 15 अप्रैल धरि अछि. पहिल 16 टीम पंजीकृत कयल जायत जाहि मध्य रोमांचकारी क्रिकेट टूर्नामेंट होयत. (समाद स्रोत)
Previous Post Next Post