मनोज श्रीपति केर दूगोट मैथिली फ़िल्मक मुहूर्त संपन्न

बम्बइ. मैथिली फिल्म निर्माण मे कनेक तेजी देखबा मे आबि रहल अछि. दड़िभंगा मे फिल्म फेस्टिवल केर आयोजनक बाद ई शुभ संकेत अछि. 15 मार्च 2013 कें 12 बजे दिनमे स्वर्णलता स्टुडियो, अन्धेरी (पश्चिम), मुम्बइ मे 'बाबा का दलान इन्टरटेनमेन्ट' केर मैथिली फ़िल्म 'छोटकी कनिया, बड़की कनिया''चैनपुरबाली'क मुहूर्त समारोह आयोजित भेल. एहि दुनू फ़िल्मक निर्देशक छथि मनोज श्रीपति जे पूर्वमे मैथिली लघु फ़िल्म 'रक्ततिलक'क माध्यम सं अन्तर्राष्ट्रीय स्तर पर ख्याति बटोरने छलाह. दुनू फ़िल्म महेन्द्र मलंगिया केर नाटक पर आधारित अछि, मुदा पटाकथाक रूप देने छथि मनोज श्रीपति. प्रेमसागर सिंह आ सूफ़ी गायक विनोद ग्वार  संयुक्त रूप सं फ़िल्ममे कर्णप्रिय संगीत दय रहल छथि. प्रख्यात नाटककार  महेन्द्र मलंगियाक गरिमापूर्ण उपस्थितीक संग-संग  सिनेमा जगतसं जुड़ल समस्त प्रमुख कलाकार उपस्थित छलाह. अभिनेता पंकज झा, राहुल सिन्हा, राजीव सिंह, राम बहादुर रेणु सहित दुनू फ़िल्मक संपादक विभूति भूषण समारोहमे आकर्षणक केन्द्र छलाह. आयोजन सं  पूर्व मनोज श्रीपति द्वारा निर्देशित भोजपुरी फ़िल्म 'कोठा'क स्क्रीनिंग भेल छल जाहिमे फ़िल्मक अभिनेत्री रिंकू घोष, गुंजन पंत आदि समारोहक शोभा बढबैत रहलीह. (Report/Photo : भास्कर झा)
Previous Post Next Post