'सुधाकरक देहावसान सं साहित्यजगत संतप्त'

आचार्य सोमदेव संगे सुधाकर चौधरी (फ़ाइल चित्र)
पटना. चेतना समिति, पटना द्वारा विद्यापति भवनमे रविदिन आयोजित एक शोक कार्यक्रम मे मैथिलीक वरीय साहित्यकार सुधाकर चौधरीक आकस्मिक देहावसान पर शोक प्रकट कएल गेल. शोक प्रकटकर्तामे प्रमुख छलाह विवेकानन्द ठाकुर, बच्चा ठाकुर, प्रेमकान्त झा, रामसेवक राय, रमानन्द झा ‘रमण’,  रघुबीर मोची, जयनारायण ठाकुर आदि. मैथिली लेखक संघ, पटनाक तत्त्वावधानमे आयोजित शोक सभामे डा. इन्द्रकान्त झा, नरेन्द्र झा, डा. रमानन्द झा ‘रमण’, डा. योगानन्द झा, विनोद कुमार झा आदि मैथिली भाषा-साहित्यक क्षेत्रमे चौधरीक महत्त्वपूर्ण अवदानक चर्चा करैत श्रद्धांजलि अर्पित कएलनि. लहेरियासराय, दरभंगा निवासी एवं उच्चतम न्यायालयक अधिवक्ता बहुभाषाविज्ञ चौधरीक देहावसान मात्र 67 वर्ष (जन्म 15 मार्च, 1946)क अवस्थामे दिल्लीमे 24 फरबरी, 2013 कें भए गेलनि. हिनक प्रकाशित कृतिमे प्रमुख अछि ‘काजर’, ‘तीन रंग तेरह चित्र’, एवं ‘इतिहासक पौतीसँ’ (कथा संग्रह,) ‘पंडी जी छत्ता’ (प्रहसन), ‘विप्लवी सुभाष’ (नाटक), ‘मेघदूत अनुगीतिका’ (अनुवाद), ‘बहु आयामी जनकवि: सोमदेव’ (आलोचना), ‘गाजलू’ (नेपाली कथा संग्रह) आदि. एक दर्जनसँ बेसी विभिन्न विधामे लिखित पोथी अप्रकाशित छनि.
(Report/Photo: डा. रमानन्द झा ‘रमण’
)
Previous Post Next Post