चिर प्रतीक्षित मैथिली फिल्म फेस्टिवल शुरू, बेस रौनक

दड़िभंगा. मैथिली सिनेमा केर पचास साल पूर्ण होयबाक अवसर पर दड़िभंगा मे मैथिली फिल्म फेस्टिवल केर आयोजन कयल गेल अछि. मार्च 2-3 कें आयोजित एहि कार्यक्रम मे देश-विदेश सं मैथिली सिनेमा प्रेमी, कलाकार, निर्देशक लोकनि जुटल छथि. कामेश्वरसिंह संस्कृत विश्वविद्यालय, दरभंगाक दरबार हॉलमे द्विदिवसीय मैथिली फिल्म फेस्टिवल केर आगाज भ' गेल अछि.
कार्यक्रमक आरम्भ चन्द्रमणि जी गोसाउनी गीत जय जय भैरवि गाबि कऽ केलनि. चन्द्रमणिजीक मञ्च सञ्चालन देख लागि रहल अछि जे मैथिलीमे उद्घोषक या तँ छथि नञि अथवा नीक कलाकारकेँ अवसर नञि भेटैत अछि. सी परमानन्द जिनका मैथिली सिनेमाक जनक कहल जाइत अछि ओ आबि दीप जरा कार्यक्रमक शुभारम्भ केलनि. हुनका संग कुलपति एसपी सिंह, एडीजीपी आरके मिश्र आ कार्यक्रमक संयोजक शशि मोहन सेहो छलाह.

कार्यक्रमक दोसर सत्रमे मैथिली फिल्मक इतिहास आ वर्तमान विषयपर परिचर्चाक आयोजन कएल गेल. एहिमे ऋषि वशिष्ठ, वीणा ठाकुर, शम्भू नाथ मिश्र, कुमार शैलेन्द्र, बालकृष्ण झा आदि लोकनि अपन-अपन विचार रखलन. एकरा बाद सभागार मे उपस्थित सभ कलाकारकेँ मञ्चपर पाग दोपट्टासँ सम्मानित कएल गेल. ओमहर मनोरञ्जन गृहमे मैथिली फिल्म सस्ता जिनगी महग सेनूर आ दुलरूआ बाबूक प्रदर्शन कएल गेल. कार्यक्रमक अन्तिम सत्र सांस्कृतिक कार्यक्रमक छल. एहिमे कुञ्ज बिहारी मिश्र, पवन नारायण, मदन मोहन, मनीष आनन्द आदि लोकनि अपन कलाक सुन्दर प्रदर्शन केलनि. एहि अवसरपर बंगालसँ आएल मैथिली फिल्मक अभिनेत्री टिंवकल बोस अपन नृत्यसँ सभागारमे बैसल दर्शक लोकनिक मन मोहि लेलनि.
मैथिली फिल्म फेस्टिवलमे तकनीकी स्तरपर कतेको रास कमी देखबामे आएल. जेना कलाकारक सम्मान समारोहमे उद्घोषणा स्तरपर अव्यवस्था आ बहुत रास कमी देखल गेल. मुदा पत्रकार द्वारा कएल गेल प्रयास साहासिक आ सराहनीय अछि. एहि लेल कार्यक्रमक संयोजक शशि मोहन धन्यवादक पात्र छथि. (Report : गुंजन श्री)
Previous Post Next Post