'फगुआ ठहक्का' मे फुटल हास्य फटक्का

कलकत्ता. आने बरख जकां एहू बेर कोकिल मंच कोलकाता द्वारा 'फगुआ ठहक्का' केर आयोजन कयल गेल. आयोजन रविदिन 24 मार्च 2013 कें सागरमल लोहारीवाला धर्मशाला (निकट शोभा बाजार मेट्रो) मे 4.3.0 बजे सं आयोजित भेल. दर्जनो मैथिल एहि कार्यक्रम मे उपस्थित भ' होरी गीतक संगहि मैथिली काव्य केर आनंद लेलनि. कार्यक्रम केर संचालन प्रसिद्ध नाट्य निर्देशक गंगा झा कयलनि. हुनक हास्य चुटुक्का बेस मनोरंजक रहल.  एहि अवसर पर मिथिलेश कुमार झा, आशीष अनचिन्हार, चन्दन कुमार झा आदि मैथिली कवि अपन रचना पढलनि. 

कार्यक्रम मे उपस्थित प्रवासी मैथिल सभ आपस मे रंग-गुलाल खेललनि. कार्यक्रम केर पश्चात प्रीति भोज केर आयोजन सेहो कयल गेल छल. कार्यक्रम मे उपस्थित एक प्रवासीक अनुसार असीम आनंद सृजित भेल. गामो मे आब एतेक मोन नहि लगैत छैक. प्रवास मे एखनो लोक अपन माटि-पानि सं जुडल आयोजन करैत छथि जे प्रशंसनीय. होरी गीत लोक कें झुमा देलक.
>> बेस झमटगर रहल सांस्कृतिक अनुष्ठान
दोसर दिस मैथिल संस्था 'विद्यापति जनकल्याण चैरिटेबल ट्रस्ट' द्वारा रविदिन 24 मार्च 2013 कें भोरे 10  बजे सं सुन्दरकांड पाठ केर आयोजन कयल गेल. हावड़ा जिलान्तर्गत लिलुआ केर मीर पाड़ा अवस्थित ट्रस्ट केर कार्यक्रम मे मैथिल जुटान भेल. सांझ 5 बजे सं सांस्कृतिक अनुष्ठान राखल गेल छल. ई कार्यक्रम ट्रस्ट केर प्रस्तावित विद्यापति भवन प्रांगण मे भेल. कार्यक्रम मे विराट संख्या मे मैथिल उपस्थित भेल छलाह. (Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post