नहि भेल एहि मासक 'संपर्क', भेल शोकसभा

> दिवंगत मोहन झा ओ तेजनारायण झा कें श्रद्धांजलि अर्पित
कलकत्ता. प्रत्येक मास कें दोसर रविदिन होमयवला साहित्यिक बैसार नहि भेल. एहि मास विगत रविदिन अर्थात 10 मार्च कें निश्चित भेल संपर्क केर बैसार नवीन प्रकाशन कार्यालय मे नहि भेल. मिथिलेश कुमार झा मिथिमीडिया कें कहलनि जे एहना हमरा सोझा मे पहिल बेर भेल अछि. मिथिमीडिया द्वारा पुछला पर जे एहि सं 'संपर्क' केर निरंतरता बाधित भेल आ लोकक विश्वास सेहो हहरि गेल त' मिथिलेश कुमार झा कहलनि जे बहुत सोचि विचारि क' एहन निर्णय भेल. ओही दिन दू गोट समाज समर्पित मैथिल व्यक्तित्व केर निधन पर शोकसभा केर आयोजन छल आ हम सभ ओहि महान लोकनिक प्रति श्रद्धा ज्ञापित करय विद्यापति सदन गेलहुं आ संपर्क स्थगित क' देल गेल. आब अगिला मास केर दोसर रवि कें होयत.
ज्ञात हो जे विद्यापति स्मारक मंच द्वारा बागुइहाटी मे अवस्थित विद्यापति सदन मे शोकसभा आयोजित भेल. एहि अवसर पर दिवंगत मोहन झा ओ तेजनारायण झा कें श्रद्धांजलि देल गेल. एकर संगहि उपस्थित लोकनि हुनक व्यक्तित्व आ कृतित्व पर इजोत देलनि. इहो बात सोझा आयल जे मोहन झा आ तेजनारायण झा एकहि कार्यकाल मे विद्यापति स्मारक मंच केर क्रमशः महासचिव आ अध्यक्ष छलाह आ दुनू गोटे कनिए दिनक आगू पाछू अपन विशाल शुभचिंतक लोकनि कें छोडि गेलाह.
तेजनारायण झा अनेको संस्था सभक विशिष्ट पद पर रहि चुकल छलाह. मुदा हुनक बहुतो काज सभ वैदेही सेवा मंच सं कयल गेल जे बेस उल्लेखनीय अछि. एहि सभा मे विवेकानंद झा, जुगल किशोर झा, ब्रजमोहन झा, किशोरीकांत मिश्र रामलोचन ठाकुर, नबोनारायण मिश्र, गंगा झा, मिथिलेश कुमार झा आदि सहित लगभग पचास गोटे उपस्थित छलाह. (समाद स्रोत)
Previous Post Next Post