रेल चलत की मिथिला लेल !

कलकत्ता. भारत सरकार दिस सं एहि सालक रेल बजट निकलल त' लोक कें बहुत बेसी आस छल. करीप सतरह  सालक बाद कोनो कांग्रेसी मंत्री रेल बजट प्रस्तुत कयलनि. मिथिलाक लोक देशक आने क्षेत्रक लोक जकां मुंह बौने छलाह मुदा खोराक केर नाम पर जेबी ढिल्ला होयबाक जोगार सरकार देखा देलक. लोकक मुंह बओले रहि  गेल. पहिने आस मे पछाति हतास भेल. तथापि किछु भेटल जाहि सं छाती मुक्का मरबाक काज नहि पडल. कनेक संतोष कयल जा सकैत अछि.
मिथिलाक विराट जनसंख्या प्रवास मे रहैत अछि आ तें रेल संपर्क केर बहुत बेसी महत्व अछि. दुनू पारक मिथिला (भारत-नेपाल) केर विशाल संख्या मे लोक विभिन्न ठाम रोजीरोटी लेल बसैत छथि आ मिथिला आवागमन लेल रेल एक साधन भेटैत अछि.
रेल बजट विपक्ष कें कनियो नहि सोहेलैक अछि त' सरकार केर सहयोगी दल सभ सेहो मुंह कान दूसय सं नहि रहल अछि. मिथिलाक भागलपुर सं  सांसद  शाहनवाज हुसैन रेल बजट कें पार्टी बजट कहलनि त' यशवंत सिन्हा एकरा चापलूसी केर बजट बतओलनि. बिहार केर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एकरा बेजाय बजट बतओलनि. संगहि बिहार कें अनदेखी करबाक आरोप सेहो लगओलनि.
पवन बंसल केर एहि  बराक बजट कें कांग्रेसी नेता सभ सेहो कोनो खास नीक नहि कहि रहल छथि. जनता पर परोक्ष रूपें महगी लादबाक जोगार जनता कें किएक सोहेतैक?
मुदा एहन नहि छैक जे खाली नकारात्मकते छैक बजट मे. मिथिला कें किछु भेटलैक अछि एहि मे. कोलकाता प्रवासी लेल ट्रेन बढल अछि कोलकाता-सीतामढी, साप्‍ताहिक, कटिहार-हाबडा, साप्‍ताहिक. मिथिला विकास परिषद् केर राष्ट्रीय अध्यक्ष अशोक झा एहि रेल बजट कें मिथिला क्षेत्र केर सांसद लोकनिक अक्षमता बतओलनि. ओ कहलनि  जे जयनगर मे स्थानीय लोग सभ रेल परिसेवा लेल धरना पर बैसल छलाह  जे धियान मे नहि राखल गेल. कोलकाता सं मिथिलांचल एक्सप्रेस कें दैनिक करबाक मांग हम सभ कयने छलहुं जे नहि सुनल गेल. मुदा हमरा सभ कें सीतामढ़ी लेल साप्ताहिक ट्रेन भेटल अछि जाहि सं संतोष करय पडत. मिथिला मे जनप्रतिनिधि लोकनि कान मे तेल-तूर ध' बैसल छथि नहि त' एहि तरहक अवहेलना नहि होइत.    
(Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)

Maithili News, Mithila News,  Maithili Sahityakaar, Gajal, Kavita, Sampark, Goshthi, Maithili News
Previous Post Next Post