मिविप केर धरना दल दिल्ली रवाना

> 21 कें जंतर-मंतर पर मिथिला राज लेल प्रदर्शन 
कलकत्ता. मिथिला राज्य आन्दोलन मे मिथिला विकास परिषद् केर भूमिका सदति  रहल अछि. एहि मे नव गति प्रदान कयल जायत. आब हम सभ व्यापक आन्दोलन हेतु रूपरेखा तैयार क' रहल छी. ई बात दिल्ली रवाना होमय सं  पहिने मिथिला विकास परिषद् केर राष्ट्रीय  अध्यक्ष अशोक झा जनओलनि. ओ कहलनि जे 51 गोट मैथिल कार्यकर्ता दिल्ली लेल कूच केलनि अछि आ हम सभ मिथिला राज्यक मांग पर 21 फरवरी कें लोकसभा सत्रक प्रथम दिन जंतर-मंतर पर धरना लेल बैसब. अशोक झा कहलनि जे मिथिला राज्य बनब आवश्यक अछि आ ई भ' क' रहत. आवश्यकता अछि एक समग्र आ सुनियोजित आन्दोलनक. मिविप द्वारा कोलकाता  मे शीघ्र सभ संस्था जे मिथिला राज्यक मांग हेतु साकांक्ष छथि, तकर प्रतिनिधि दल सभक संग एक सभा आयोजित कयल जायत आ आन्दोलन मे नव प्राण फुंकल जायत.
पुछला पर जे घोटाला केर टटका मुद्दा आ सदन चलबाक विकट स्थिति मे मिथिला राज्यक मांग दिस ककरो धियान जेतै? अशोक झा कहलनि जे हमरा सभ कें अपन काज पर धियान देबाक चाही. समय लगतैक. खंडित आ फराक धरना आदि सं नीक व्यापक गोलबंदी हो आ जोरगर प्रदर्शन हो त' निश्चय प्रभावी होयत. 
(Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post