ऐतिहासिक होयत मैथिली फ़िल्म फ़ेस्टिवल 2013

कलकत्ता/ दड़िभंगा. मैथिली फ़िल्म अकादमी, दरभंगाक तत्वावधानमे आगामी 2-3 मार्च, 2013 कें कामेश्वरसिंह संस्कृत विश्वविद्यालय, दरभंगाक दरबार हॉलमे द्विदिवसीय मैथिली फिल्म फेस्टिवल आयोजित होमय जा रहल अछि. विदित हो जे एहि सं पूर्व दरभंगा इन्टरनेशनल फ़िल्म फ़ेस्टिवल आयोजन एही स्थान पर किछु दिन पहिने भेल छल. मुदा ई पहिल अवसर होयत जे कोनो फ़िल्म फ़ेस्टिवल पूर्णत: मैथिली फ़िल्म कें केन्द्रमे राखि कयल जा रहल अछि. एहि अवसर पर मैथिली हिट फिल्मक प्रदर्शनक संग-संग मैथिली फ़िल्म, फ़िल्मक निर्माण आदिक पक्ष पर महत्वपूर्ण परिचर्चा कयल जायत. मैथिली सिनेमाक इतिहासक अवधि ओना तs बड्ड पैघ अछि, मुदा सिनेमा संबंधी उपलब्धि वा उत्पादकता ओतबे कम. तइयो, एहन तरहक आयोजन केर महत्व कम नहि. विस्तृत मैथिल मानसिकताक विस्मृत जागरूकता कें पुन: जागृत करयमे उल्लेखनीय योगदान अबस्से होयत. एहिसं उद्यमी मैथिल कें एहि क्षेत्रमे पदार्पण करबामे प्रेरणा भेटत. 
मैथिली फ़िल्म फ़ेस्टिवलक पहिल दिन अर्थात 2 मार्चके 12:30 बजे उद्घाटन कार्यक्रम राखल गेल अछि. एहि कार्यक्रम उदघाटन करताह मैथिलीक पहिल फ़िल्म 'ममता गाबय गीत’ केर निर्देशक सी परमानन्द. फ़िल्मक विशेष जानकारी रखनिहार कौशल किशॊर चौधरी, “कन्यादान” फ़िल्ममे लाल कक्का केर भूमिकाक निर्वहन केनिहार प्रसिद्ध साहित्यकार चन्द्रनाथ मिश्र  'अमर', मैथिली रंगमंचक पहिल महिला रंगकर्मी प्रेमलता मिश्र ‘प्रेम', मैथिलीक पहिल फ़िल्म केर सहनिर्माता केदारनाथ चौधरी उदघाटन समारोहमे विशेष अतिथिक रूप मे उपस्थित रहताह. उदघाटनक बाद मैथिलीक सफ़ल फ़िल्मक प्रदर्शन कयल जायत. एहि अवसर पर सस्ता जिनगी महग सेनूर, दुलरुआ बाबू, सेनुरक लाज, गरीबक बेटी, कखन हरब दुख मोर आदि सहित किछु डॉक्यूमेंट्री फ़िल्म एवं किछु सीडी फ़ॉर्मेटमे बनल मैथिली फ़िल्म देखाओल जायत.
पहिल दिनक पहिल सत्र मैथिली फ़िल्मक इतिहास, दशा व दिशा, भूत, वर्तमान, भविष्य आदि विषय पर केन्दित होयत. एहि सत्रमे निर्माता, निर्देशक, अभिनेता, समीक्षक समेत दर्शकक विचार पर एकसंगे उपयोगी चर्चा होयत. साढे छह बजे सं सांस्कृतिक कार्यक्रम आयोजन कयल जायत जाहिमे स्थानीय कलाकार लोकनि द्वारा मैथिली फ़िल्मक गीतक मनोरंजक प्रस्तुति होयत.
दोसर दिनक पहिल सत्रमे आयोजित  फ़िल्मी संगोष्ठी एक तरहें फ़िल्म निर्माणक तकनीकी पक्ष पर केन्द्रित अछि. एहि सत्रमे सेहो फ़िल्म निर्माण सं जुड़ल लोक सब भाग लेताह. साढे पांच बजे खुला सत्र केर आयोजन कयल गेल अछि. खुला सत्रक समापनक उपरान्त सम्मान समारोहक आयोजन होयत. एहिमे एखन धरि मैथिली फ़िल्ममें अमूल्य योगदान देनिहार लगभग 10 गोटे कें माइफ़ा द्वारा सम्मानित कयल जायत. अंतमे रंगारंग कार्यक्रमक उपरान्त एहि मैथिली फिल्म फ़ेस्टिवल केर कार्यक्रमक समापन होयत. एहि फ़िल्म महोत्सवमे मैथिली फ़िल्मसं जुड़ल अधिकांश लोकनिक सहभागिताक अपेक्षित अछि. मैथिलीक लोकप्रिय फ़िल्म ‘पिया संग प्रीत कोना हम करबै' केर समस्त यूनिट/दलक आगमन केर सूचना अछि. एहि फ़िल्मक अभिनेत्री ट्विंकल घोष, फ़िल्मक गीतकार एवं कलाकार शंभूनाथ मिश्र, दिनेश मिश्र समेत लगभग सभ गोटे भाग लेताह. वस्तुत:   ई पहिल अवसर होयत जाहि मे एतेक कलाकारक समावेश देखबाक भेटत. (Report:
भास्कर झा )
Maithili News, Mithila News,  Maithili Sahityakaar, Gajal, Kavita, Sampark, Goshthi, Maithili News
Previous Post Next Post