
कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय केर दरबार हाल ऑडिटोरियम मे आयोजित फेस्टिवल केर दुनू दिन दिनक 11 बजे सं सांझ 5 बजे धरि कार्यक्रम आयोजित अछि. पहिल दिन 'कखन हरब दुःख मोर' फेम निर्देशक संतोष बादल केर 'द रिटर्न आफ जगदीश चन्द्र बसु' सहित 3 गोट फिल्म देखाओल जायत त' दोसर दिन सांस्कृतिक कार्यक्रम ओ मैथिली लघु फिल्म 'कमला' सहित 7 गोट फिल्म देखाओल जायत. एकर संगहि अवार्ड सेरेमनी सेहो होयत.
मेराज बतओलनि जे एहि कार्यक्रम मे देश-विदेश केर नामी हस्ती सभ भाग लेताह. मैथिली फिल्म जगत केर व्यक्तित्वक संगहि साहित्यकार ओ अन्य बुद्धिजीवी वर्गक लोक सेहो उपस्थित रहताह. (Report: मिथिमीडिया सिने ब्यूरो)