डॉ. रामजी ठाकुरक कयल गेल अभिनंदन

दड़िभंगा. संस्कृत भाषा लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार हेतु चयनित डॉ रामजी ठाकुरक शिष्य, शुभेच्छु आ ग्रामीणजन द्वारा उच्च विद्यालय उजानक परिसर मे अभिनंदन कयल गेल. एहि समारोहक अध्यक्षता साहित्य अकादमी सँ सम्मानित डॉ शशिनाथ झा कयलनि आ मुख्य अतिथि डॉ जगन्नाथ झा छलथि. कार्यक्रमक आरंभ डॉ मित्रनाथ झाक मंगलाचरण प्रस्तुतिकरण सँ भेल आ स्वागत भाषण आ अतिथि लोकनिक सम्मान डॉ सतीरमण झा द्वारा कयल गेल. एहि अवसर पर एकटा निर्णय सेहो लेल गेल, जे डॉ रामजी ठाकुर अभिनंदन ग्रन्थ शीघ्र तैयार कयल जायत आ ओहि प्रकाशन समितिक आयोजक डॉ सतीरमण झाक अधिकृत कयल गैल अछि. एहि समारोह मे मुख्य वक्ताक रूप मे डॉ मित्रनाथ झा, डॉ इन्द्रनाथ झा, डॉ सदानंद झा, डॉ बोधनाथ इत्यादि बजलाह. रामजी ठाकुरक पुरस्कार लेल चयनित भेला सँ उजान ग्राम सहित आसपासक गाम मे सेहो उल्लास अछि. (Report: नवीन कुमार 'आशा')
Previous Post Next Post